2 तब उ सिमोन पतरुस आ येसुके परेम करैबला दोसर चेला लग दौरते ज्याके कहल्कै, “उसब परभुके चिहानसे बाहर ल्यागेलै आ ओकर लहास कते राखनेछै से हमसब नै जानैचियै।”
ओकर चेलासबमेसे एक गोरे, जकरा येसु परेम करैछेलै, उ ओकरे कातमे ओङैठके बैठल छेलै।
उसब मरियमके पुछल्कै, “ऐ बहिन, तु कथिले काइनरहल चिही।” मरियम ओइसबके जबाब देल्कै, “उसब हमर परभुके उठ्याके ल्यागेलै आ कते घोसाइरके राखनेछै से हम नै जानैचियै।”
यि ओह्या चेला चियै, जे यि सब बातके बारेमे गबाही द्यारहलछै। ओह्या यि लिखने छै आ ओकर गबाही सत छै कैहके हमसब जानैचियै।
तखुन येसुके सबसे बेसी परेम करैबला चेला पतरुसके कहल्कै, “उ त परभु चियै!” पतरुस यि बात सुनते मातर आपन बस्तर डारमे लपेटल्कै (उ काम करैके लेल बस्तर खोल्ने छेलै) आ तालमे झौफ देल्कै।
जब येसु आपन माँ आ उ चेलाके, जकरा उ परेम करैछेलै, कातमे ठारभेल देखके आपन माँ के कहल्कै, “माँ गै, देख, तोहर बेटा!”
पतरुस पछा दिसन घुइमके ताकल्कै त येसु जकरा परेम करैछेलै से चेलाके पछा पछा आबैत देखल्कै। (उ उहे चेला छेलै जे राइतके खाइ बखत येसुके छातिमे ओङहैठके, “परभु अहाँके पकराबैबला के चियै” कैहके पुछने छेलै।)
येसु ओकरा कहल्कै, “ऐ बहिन, तु कथिले कानैचिही? ककरा ताकैचिही?” मरियम ओकरा फुलबारीके माली हेतै कैहके कहल्कै, “हजुर, अहाँ परभुके अतेसे ल्यागेल चियै त हमरा कैह दिय कि कते राखने चियै। हम ओकरा ल्याजेबै।”
येसु मिरतुसे जिबित भ्याके उठयै परतै, पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन उसब अखुनतक नै बुझने छेलै।