18 उ ठाममे उसब येसुके कुरूसमे लटकेल्कै आ ओकरसङे औरो दुइ गोरेके लटकेल्कै, एकटाके देहना कातमे आ दोसरके बमा कातमे। तब येसुके ओइसबके बिचमे लटकेल्कै।
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
आपन मिरतु कनङके हेतै कैहके येसुके कहल बात पुरा हैकेलेल ऐहेन भेल छेलै।
तब ओकरजरे कुरूसमे दहिना आ बमाकात टाङल अपराधीसब सेहो ओहिनङे अपमान करल्कै।
अपनासबके बिस्बास सुरु करैबला आ पुरा करैबला येसुके देख। जे पाछुसे पाबैबला आनन्दके लेल अपमानके कुछो नै सोइचके कुरूसमे दुख भोगल्कै आ अखैन उ परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बैठलछै।
तब सिपाहीसब एलै आ येसुसङे लटक्याल दुइ लोकसबके टाङ तोइरदेल्कै।
परमेस्वरके आपन निस्चित योजना आ ग्यान अनुसार पकरल गेलै। एह्या येसुके अधरमी लोकसबके हाथसे तुसब कुरूसमे किल्ला ठोइकके मारलिही।