8 येसु कहल्कै, “हम त तोरासबके कैहदेने चियौ कि, उ हम्ही चियौ। यदी तुसब हमरा ताकैचिही त अकरासबके जाइले दहै।”
तोरासबके सब चिन्ता-फिकिर ओकरमे राइख दहै कथिलेत उ तोरासबके देखभाल करैछौ।
हे घरबलासब, आपन घरबालीसबके परेम कर, जनङ खिरिस्ट मन्डलीके परेम करल्कै आ आपन जिबन अरपन करल्कै।
महज परभु हमरा कहल्कै, “हमर अनुगरह तोहर लेल परसस्त छौ, कथिलेत हमर सक्ती कमजोरीमे पुरा हैछै।” तैखातिर खिरिस्टके सक्ति हमरमे रहे कैहके कमजोरीमे हम औरो खुसीसे घमन्ड करैचियै।
तोरासबके जिबनमे आबैबला सब परिक्छासब लोकसबके बिचमे आबैबला जखा हैछै। परमेस्वर बिस्बासयोग्य छै, जे तोरासबके सहे नै सकैबला परिक्छामे नै पारतौ। जब तु लोभमे परबिही परमेस्वर तोरा उ परिक्छासे बचैयोके लेल सहायता करतौ। तब तु सहैले सकबिही।
देख! समय आइबरहल छै, हँ, लग चैलएलै, जब तुसब चारुदिसन छिरिया जेब्ही। तुसब भाइगके आपन-आपन घर जेब्ही महज हमरा असगरे छोइर देब्ही। तैयो हम असगरे नै चियै, कथिलेत हमरसङे पिता छै।
तब सिमोन पतरुस येसुके कहल्कै, “हे परभु, अहाँ कते ज्यारहल चियै?” येसु ओकरा कहल्कै, “हम जते ज्यारहल चियै, अखुन तु हमरसङे आबैले नै सकबिही, महज तु पाछे हमरा पछुवाइबिही।”
निस्तार पाबैनसे पहिने, येसु अइ सन्सार छोइरके पितालग जाइबला समय आइबगेल छै से उ जानैछेलै। तब उ सन्सारमे भेल आपन चेलासबके परेम करल्कै आ अन्तिम समयतक उसबके परेम कैरते रहलै।
हम ओकरासबके अनन्त जिबन दैचियै, उसब कहियो नै नास हेतै आ कोइ नै ओकरासबके हमर हाथसे छिनके लजाबे सक्तै।
महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल बात पुरा हेबैएपरतै।” तखने सब चेलासब येसुके छोइरके भाइग गेलै।
तब येसु फेनो उसबके पुछल्कै, “तुसब ककरा ताकैचिही?” उसब कहल्कै, “नासरतके येसुके।”
(अहिनङे “अहाँ हमरा जतहेक लोकसब देलियै, उसबमेसे ककरो हम नै हरेलियै” से ओकर कहल बचन पुरा हेबे कैहके एहेन भेलै।)