येसु ओकरा कहल्कै, “हमरा नै छु, कथिलेत अखुनतक हम पिताके लग उपर नै गेल चियै। बरु हमर भाइसबलग ज्याके ओकरासबके कैहदहै कि हम आपन पिता आ तोरासबके पिता, आपन परमेस्वर आ तोरासबके परमेस्वर लग उपर ज्यारहल चियै।”
अपनासबके बिस्बास सुरु करैबला आ पुरा करैबला येसुके देख। जे पाछुसे पाबैबला आनन्दके लेल अपमानके कुछो नै सोइचके कुरूसमे दुख भोगल्कै आ अखैन उ परमेस्वरके सिंहासनके दहिनाकात बैठलछै।
तब येसु जबाफ देल्कै, “हमर राज यि सन्सारके नै चियै। हमर राज यि सन्सारके रहतियै त हमरा पछुवाइबला हमर लेल लराइ करतियै आ हम यहुदीसबके हाथमे नै परतियै। महज हमर राज यि सन्सारके नै चियै।”