9 “आब हम ओइसबके लेल परथना करैचियै। हम सन्सारके लेल परथना नै करबै, महज ओकरासबके लेल, जकरा अहाँ हमरा देनेचियै। कथिलेत उसब अहैके चियै।
खिरिस्ट त लोकसबके हाथसे बनल पबितर ठाममे नै ढुकलै, जे सत पबितर ठामके नमुना मातरे चियै, महज उ स्वरग भितर ढुकलै आ अखुन अपनासबके लेल परमेस्वरके अगा ठारभेल छै।
कथिलेत अहाँ आपन बेटाके सब लोकसब उपर अधिकार देनेचियै, ताकि अहाँके देल सब लोकसबके अनन्त जिबन देबेसकी।
“जे लोकसब अहाँ हमरा सन्सारसे देलियै हम ओइ लोकसबके अहाँके बारेमे सब चिज कैह देलियै। उसब अहाँके छेलै आ उसबके अहाँ हमरा देलियै आ उसब अहाँके बचन पालन करने छै।
“हम यि चेलासबके खातिर मातरे परथना नै करैचियै, महज ओहोसबके लेल करैचियै, जे उसबके सिक्छासे हमर उपर बिस्बास करतै।
महज तोहर बिस्बास नै डगमगावे कैहके हम तोहर लेल परथना करनेचियौ आ फेनो तु हमर दिसन घुइमके एलाकेबाद तोहर भाइसबके अस्थिर करा।”
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ पुरे सन्सार दुस्ट सैतानेके बन्धनमे छै कैहके अपनासब जानैचियै।
हम पितासे बिन्ती करबै आ उ तोरासबसङे सबदिन रहैके खातिर एक गोरा सल्लाह दैबला पठाइतौ।
जकर-जकर नाम जिबनके किताबमे लिखल नै भेटलै, ओकरासबके आइगके भठिमे फेकदेल्कै।
मारलगेल थुमाके जिबनके किताबमे सन्सारके सिरिस्टी हैसे पहिने नाम लिखल लोकसब बाहेक पिरथिबीमे रहैबला सबकोइ ओइ जानबरके पुजा करतै।
अहैलेल येसुमे बिस्बास कैरके परमेस्वरके लग आबैबलासबके उ सबदिन उधार करैले सकैछै, कथिलेत ओइसबके लेल परमेस्वरसङे परथना करैले सबदिन जिबितछै।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।
यि देखके सुगर चरबाहासब भाग्लै आ ज्याके यि बात सहर आ गाममे सुना देल्कै।
तब येसु कहल्कै, “हे पिता, अकरासबके छमा कैरदियौ, कथिलेत यीसब कथी करैछै से नै जानैछै।” तब उसब येसुके बस्तर लैले चिठा लग्याके भाग लगाइल्कै।
जकरा पिता हमरा देनेछै उ हमरलग एतै आ जे कोइ हमरलग एतै ओकरा हम कहियो नै छोरबै।
हमरा पठाइबलाके इक्छा यि चियै, कि उ हमरा देल्हासबमेसे हम ककरो नै नास हैले देबै, महज अन्तके दिनमे उसबके जियाइबै।