8 कथिलेत अहाँके देल सिक्छा हम ओइसबके देनेचियै आ उसब उ सुइकार करने छै। हम अहाँसे एलचियै कैहके उसब साँचोके बुझनेछै। तब हमरा अहै पठेलियै कैहके उसब बिस्बास करने छै।
आबसे हम तोरासबके नोकर नै कहबौ, कथिलेकी मालिक कथी कैररहलछै से नोकर नै जानैछै। महज हम तोरासबके सङी कैहरहल चियौ, कथिलेकी हमर पितासे हम जे सुन्ने चियै से सब तोरासबके कैहदेने चियौ।
हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे।
येसु ओकरासबके कहल्कै, “यदी परमेस्वर तोरासबके पिता रहतियौ त, तुसब हमरा मया करने रहतिही, कथिलेकी हम परमेस्वर लगसे एलचियै आ अखन हम अते चियै। हम आपन इक्छासे नै एलचियै, महज उ हमरा पठेने छै।
‘हम पितामे चियै आ पिता हमरमे छै’ से कि तु बिस्बास नै करैचिही? जे बात हम तोरासबके कहैचियौ, से बात हम आपने मनसे नै कहैचियौ। महज हमरमे रहैबला पिता यि कामसब करैछै।
हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सन्सारके लोकसब जाने।