10 हमरसङे भेल सब अहाँके चियै आ अहाँसङे भेल सब हमरे चियै। ओकरेसबसे हमर महिमा भेल छै।
पिता आ हम एके चियै।”
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
जै दिन परभु एतै, तै दिन उ आपन पबितर लोकसबके बिचमे आपन महिमा आ बिस्बास करैबला जम्मेलोकसे परसन्सा लेतै। ओते तुसब रहबिही, कथिलेत हमरसबके देल्हा गबाही पर तुसब बिस्बास करलिही।
कथिलेत परमेस्वरके सारा परिपुर्नता खिरिस्टके देहमे बास करैछै।
एहनङे अपनासबके परमेस्वर आ परभु येसु खिरिस्टके अनुगरहसे परभु येसुके नाउके आदर-परसन्सा हेबे। तब ओकरसे तोरौरोके आदर-परसन्सा मिले।
हमर उटकट इक्छा आ आसा यि चियै कि हम कहियो लज्जित नै हेबै महज हमरमे परसस्त साहस हेतै। चाहे हम बाच्बै या मरबै सबदिन जखा अखुनो हमर जिबनसे खिरिस्ट सम्मानित हेबे।
यि बात एफिसस बासि, यहुदी आ गिरिक जातीके सबलोक सुनल्कै। तब उसबके डर भ्यागेलै आ परभु येसुके नामके परसन्सा भेलै।
तब येसु यि बात सुइनके कहल्कै, “यि बिमारसे उ नै मरतै, महज यि परमेस्वरके महिमाके लेल चियै आ अइसे परमेस्वरके बेटाके महिमा हेबे।”
ताकि सबकोइ बेटाके आदर करे, जनङ उसब पिताके आदर करैछै। जे कोइ बेटाके आदर नै करैछै, उ लोक बेटाके पठाइबला पितोके आदर नै करैछै।
उसब हम परिबरतन भेलाके कारन परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “मानब बेटाके महिमा परगट हैबला समय आइबगेल छै।