26 तै बखत तुसब आपनेसे हमर नाममे माङबिही। हम तोरासबके खातिर पिता सङे माइङ देबौ कैहके नै कहे परतौ।
तब के अपनासबके दन्ड दैले सक्तै? कोइ नै सक्तै, कथिलेत येसु खिरिस्ट अपनासबके लेल मरलै। ओतबे नै, परमेस्वर ओकरा मरलसे जियेल्कै आ अखुन परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै आ अपनासबके लेल परमेस्वरसे बिन्ती कैररहलछै।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
हम ओइसबके खातिर आपनेके पबितर करैचियै, ताकि उसब सेहो सत्यतामे पबितर हेबे।
“आब हम ओइसबके लेल परथना करैचियै। हम सन्सारके लेल परथना नै करबै, महज ओकरासबके लेल, जकरा अहाँ हमरा देनेचियै। कथिलेत उसब अहैके चियै।
ओइ दिन तुसब हमरा कुछो नै पुछबिही। हम साँचोके कहैचियौ, तुसब हमर नाममे पिता सङे जे माङबिही, से उ तोरासबके देतौ।
हम पितासे बिन्ती करबै आ उ तोरासबसङे सबदिन रहैके खातिर एक गोरा सल्लाह दैबला पठाइतौ।
‘हम पितामे आ तुसब हमरमे आ हम तोरासबमे चियौ’ से बात तुसब ओइ दिन जानबिही।
उसब ओकरा पुछेके इक्छा करैछै से बात जाइनके येसु ओइसबके पुछल्कै, “‘कन्हिक देरके बाद तुसब हमरा नै देखबिही, तब कन्हीक देरमे फेनो हमरा देखबिही’ से हमर कहल बातमे कि तुसब आपसमे पुछा-पुछी नै करैचिही?
आब हमसब जाइन गेलियै, कि अहाँ सब बात जानैचियै। आब अहाँसे ककरो नै कोनो सबाल करे परतै। अहै कारन हमसब अहाँमे बिस्बास करैचियै, कि अहाँ परमेस्वरसे पठ्याल चियै।”