10 जनङ हम आपन पिताके आग्यापालन करनेचियै आ ओकर परेममे रहैचियै, तहिनङे तुहुसब हमर आग्यापालन करबिही त हमर परेममे रहबिही।
“यदी तुसब हमरा परेम करैचिही त हमर देल आग्यासबके मानबिही।
परमेस्वरसे परेम करनाइके मतलब ओकर आग्यासबके पालन करनाइ चियै। ओकर आग्यासब हमरासबके लेल भैरगर नै छै।
महज जे परमेस्वरके बचनके पालन करैछै उ परमेस्वरके साँचो परेम करैछै। ओहैसे अपनासब ओकरमे चियै से जानैचियै।
कथिलेकी ओकरासबके देल पबितर आग्या जाइनके पछा हटैसे बरु उसब धारमिक बाट नै जानतियै त निक हेतियै।
जे हमरा पठाइने छै उ हमरे सङे छै। उ हमरा असगरे नै छोरने छै, कथिलेत हम हरदम ओकरा खुसि बनाइबला काम करैचियै।”
येसु ओइसबके कहल्कै, “हमर खाइबला चिज यि चियै, जे हम आपन पठाबैबलाके इक्छा बमोजिम करनाइ आ ओकर काम पुरा करनाइ चियै।
अन्तमे हमर भाइ-भैयासब परमेस्वरके मनपरैबला जिबन कनङके जियैछै से हमसब तोरासबके सिखेलियौ ओहिनङके फेनु तुसब जियैचिही। तोरासबके जिबन औरो बहौत असल हेबे कैहके परभु येसुके नाममे हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
अहाँ जे काम करैले हमरा जिमा देनेछेलियै, से काम पुरा कैरके पिरथिबीमे हम अहाँके महिमा करनेचियै।
महज हम पिताके परेम करैचियै से बात सन्सारके सबलोक जाने कैहके हम सबकाम ओकरे आग्या अनुसार करैचियै। आब उठ आ अपनासब अतेसे चल।”
कथिलेकी हम आपने मनसे नै बाजैचियै महज हम कथी कहबै आ बोल्बै तैके आदेस हमरा पठाइबला पिता आपनेसे देने छै।
उसब धैनके चियै, जे आपन बस्तर धोइबके साफ करैछै। उसब जिबनके गाछके फल खाइले आ ओइ सहरके देहरीसे भितर जाइले पाबतै।
हमरा परेम करैबला उ चियै जे हमर आग्या सुइकार करैछै आ ओकर पालन करैछै। जे हमरा परेम करतै ओकरा हमर पितो परेम करतै। हम्हु ओकरा परेम करबै आ ओकरमे हम आपनके परगट करबै।”
कथिलेत खतना करनाइ या नै करनाइ बरका बात नै चियै, महज परमेस्वरके आग्यापालन करनाइ सबसे बरका बात चियै।
अपनासबके लेल अहिनङे परधान पुजारीके आबसेक्ता छै। जे पबितर, निरदोस, सुधछै। परमेस्वर ओकरा पापी लोकसबसे छुटियाके सबसे उपर स्वरगमे राखल्कै।
तुसब ओकरा चिन्हने नै चिही महज हम ओकरा चिन्हने चियै। यदी हम ओकरा नै चिन्हैचियै कहबै त हम्हु तोरासब जखा झुठा ठहरतियै। महज हम ओकरा चिन्हैचियै आ ओकर बचन पालन करैचियै।
कोइने हमर परान हमरासे लैले सक्तै, महज हम आपने राजिखुसीसे दैचियै। आपन परान दैके अधिकार हमरेसङे छै आ फेनो ओकरा लैयोके अधिकार छै। एह्या आग्या हम आपन पितासे पाबनेचियै।”
येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “जे हमरा परेम करैछै, से हमर बचन पालन करैछै। हमर पिता ओकरा परेम करतै तब हमर पिता आ हम ओकरलग ज्याके ओकरसङे रहब।
यदि अपनासब ओकर आग्यापालन करबै त अहैसे अपनासब जान्बै कि अपनासब ओकरा चिन्हैचियै।
परमेस्वरमे चियै कहैबला लोक येसुवे जखा चले परैछै।