8 पतरुस कहल्कै, “हम अहाँके आपन टाङ कहियो नै धुवाबैले द्याब!” तब येसु ओकरा जबाफ देल्कै, “यदि हम तोहर टाङ नै धोबौ त हमरसङे तोहर कोनो समबन्ध नै रहतौ।”
तब उ अपनासबके बचेल्कै। अपनासब कोनो धरम-करम करलाके कारन नै महज ओकर दया आपनसबमे भेलाके कारन बचेल्कै। ओकर पबितर आत्मासे अपनासबके पाप धुवाके अपनासबके नया जलम आ नया जिबन देल्कै।
तै खातिर आब कथिले ढिला-सुस्ती करैचिही? उठ आ बप्तिस्मा ले आ येसुके नाम ल्याके आपन पापसे सुध हो।’
उ आपन लहुके छिटकासे अपनासबके हिरदयके सुध करने छै आ सुध पानीसे अपनासबके देहके धुवाइनेछै। ओहैसे अपनासब साँचो हिरदय आ पक्का भरोसाके साथ परमेस्वरके लग चल।
खिरिस्ट मन्डलीके बचन रुपी पानीसे धोइबके सुध आ पबितर बनाइल्कै।
तोरासबमेसे कतहेक गोरे एक समयमे अहिनङे छेल्ही, महज तुसब आब परभु येसुके नाममे आ परमेस्वरके आत्मासे धोबल गेलचिही, पबितर भेलचिही आ धरमी ठहरल चिही।
हम ओकरा कहलियै, “गुरु जी, हमरा थाह नै छै। अहिके थाहछै।” उ हमरा कहल्कै, “उसब त बरका भारी सताबट सैहके एलछै आ उसब आपन-आपन बस्तर थुमाके लहुसे धोइबके उजर बनाइनेछै।
बिस्बास योग्य साक्छी आ मिरतुसे सबसे पहिन्का बेर जिबित भेल सन्सारके रजा सबके रजा, येसु खिरिस्टके तरफसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले। उ अपनासबके परेम करैछै आ आपन लहुसे अपनासबके पापसे छुटकरा देनेछै।
धरम-करम करैबला, देखाबटी नम्र रहैबला आ बाबाजी जखा जियैबला, यि सब बुधिमान जखा देखापरैछै, महज यि आपन देहके अधलाह इक्छाके बसमे राखैले कोनो कामके नै हैछै।
हमरासबके दरसन मिललछै कैहके झुठ नमरता देखाबैत, स्वरगदुतके पुजा करैबला आ आपनेके महान समझैबलासब छै। उसब एहेन छल-कपटमे फैसके तुसब पाबैबला इनाम नै गुमा। एहेन लोकसब बिना कारन देहके स्वभाबके ग्यानमे घमन्ड कैरके फुलल रहैछै।
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, जाबेतक कोइ पानी आ आत्मासे जलम नै लेतै ताबेतक परमेस्वरके राजमे परबेस करैले नै सक्तै।
ओतबेहेकमे पतरुस येसुके कहल्कै, “सबकोइ अहाँके छोइर देत महज हम कहियो नै छोरब।”
महज बेटा कहल्कै, ‘हम नै ज्याब’, महज पछा ओकरा पछुताबा भेलै तब उ काममे गेलै।
पतरुस ओकरा कहल्कै, “अदी हमरा अहाँसङे मरैयो परतै त हम अहाँके कहियो नै इन्कार करब।” तब औरो चेलासब सेहो एह्या बात कहल्कै।
पतरुस यि बात सुइनके ओकरा एक कातमे लज्याके हपारैले लाग्लै, “हे परभु! परमेस्वर एहेन नै हेबे, अहाँ उपर एहेन कहियो नै हेतै।”
जब येसु सिमोन पतरुस लग एलै, तब पतरुस कहल्कै, “परभु, कि अहाँ हमर टाङ धुवाइबै?”
तकरबाद सिमोन पतरुस ओकरा कहल्कै, “ओहेन छै त, परभु, हमर टाङ मातरे नै, महज हमर हाथ आ मुरो धोइबदिय।”