34 आब हम तोरासबके एकटा लबका आग्या दैचियौ, तुसब एक-दोसरके परेम कर। जहिनङ परेम हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके परेम कर।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
हम तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि तुसब एक-दोसरके परेम कर।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
एक-दोसरके भार उठा। अहिनङ कैरके तुसब खिरिस्टके आग्या पुरा करबिही।
ओकर आग्या एह्या चियै कि हमसब परमेस्वरके बेटा येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करनाइ आ ओकर देल आग्या अनुसार एक-दोसरके परेम करनाइ चियै।
जे परमेस्वरके परेम करैछै, ओकरा आपन भाइयोके परेम करे परतै। एह्या आग्या खिरिस्ट अपनासबके देने छै।
यदि तुसब “आपन परोसियासबके आपने जखा परेम कर” कैहके पबितर धरमसास्तरमे लिखल परमेस्वरके राजकिय नियमके पालन करैचिही त तोरौरके असले करैचिही।
जहिना हमसब तोरासबके परेम करैचियौ ओहै तरहसे परभु तोरासबके एक दोसरसङे आ सब लोकसबसङे परेममे औरो बेसीसे बरहाइत रहे कैहके हमसब परथना करैचियै।
एक-दोसरके आपने भाइ-भैया जखा परेम कर। अपनासे बेसी दोसरके आदर कर।
हे पिरिय जनी, हम कोनो लबका आग्या नै लिख्नेचियै, महज सुरुवेसे देल गेल छै वह्या लिखैचियै। हमसब एक दोसरके परेम कर कैहके बिन्ती करैचियौ।
तैखातिर मौका भेटैत मातर सबकोइके भलाइ कैरते चल, खास कैरके खिरिस्टमे बिस्बास करल परिबारसबके।
तुसब यि बात सुरुवेसे सुन्ने चिही की हमसबके एक-दोसरके परेम करे परतै।
एक दोसरके भाइ-भैयासब जखा परेम करैतरह।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
महज पबितर आत्माके फलसब- परेम, आनन्द, सान्ती, धिरज, दया, भलाइ, बिस्वस्तता,
भक्तीमे भाइ-भैयाके इसनेह, भाइ-भैयारीके इसनेहमे परेम थप।
कथिलेत हमसब परभु येसु खिरिस्टमे तोरासबके बिस्बास आ ओकर सब पबितर लोकसबके करल तोहर परेमके बारेमे सुन्नेचियौ।
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
हम परथना करैचियै कि उ सबकोइ एक हेबे। हे पिता, जहिनङे अहाँ हमरमे आ हम अहाँमे चियै, तहिनङे ओहोसब अपनासबसङे एक हेबे, ताकि अहाँ हमरा पठाइनेचियै कैहके सन्सारके लोकसब बिस्बास करे।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, आपन दुस्मनोसबसे परेम कर आ तोरासबके सताबैबलासबके खातिर परथना कर,
एक-दोसरके परेम करै बाहेक औरो कोनो चिजमे ककरो रिनी नै हो। कथिलेत जे आपन परोसियाके परेम करैछै उ बेबस्था पुरा करैछै।
परेम करैबला आपन परोसियाके खराबी नै करैछै। तैखातिर परेम करनाइके मतलब बेबस्था पुरा करनाइ चियै।