23 ओकर चेलासबमेसे एक गोरे, जकरा येसु परेम करैछेलै, उ ओकरे कातमे ओङैठके बैठल छेलै।
जब येसु आपन माँ आ उ चेलाके, जकरा उ परेम करैछेलै, कातमे ठारभेल देखके आपन माँ के कहल्कै, “माँ गै, देख, तोहर बेटा!”
पतरुस पछा दिसन घुइमके ताकल्कै त येसु जकरा परेम करैछेलै से चेलाके पछा पछा आबैत देखल्कै। (उ उहे चेला छेलै जे राइतके खाइ बखत येसुके छातिमे ओङहैठके, “परभु अहाँके पकराबैबला के चियै” कैहके पुछने छेलै।)
तखुन येसुके सबसे बेसी परेम करैबला चेला पतरुसके कहल्कै, “उ त परभु चियै!” पतरुस यि बात सुनते मातर आपन बस्तर डारमे लपेटल्कै (उ काम करैके लेल बस्तर खोल्ने छेलै) आ तालमे झौफ देल्कै।
तब उ सिमोन पतरुस आ येसुके परेम करैबला दोसर चेला लग दौरते ज्याके कहल्कै, “उसब परभुके चिहानसे बाहर ल्यागेलै आ ओकर लहास कते राखनेछै से हमसब नै जानैचियै।”
तैल्याके यहुदीसब कहल्कै, “देख, उ लाजरसके कतहेक परेम करैछेलै!”
येसु मारथा, ओकर बहिन मरियम आ लाजरसके परेम करैछेलै।
तैखातिर दुनु बहिन येसुके एहेन कैहके समाध पठाइने छेलै, “परभु, जकरा अहाँ परेम करैचियै, उ बिमार भेल छै।”
यि ओह्या चेला चियै, जे यि सब बातके बारेमे गबाही द्यारहलछै। ओह्या यि लिखने छै आ ओकर गबाही सत छै कैहके हमसब जानैचियै।
तैल्याके उ येसुमे ओङैठके पुछल्कै, “परभु, उ के चियै?”
परमेस्वरके कोइ नै कहियो देखनेछै। महज पिताके लगमे रहैबला ओकर एकलौता बेटा ओकरा हमरासबलग परगट करने छै।
“एक दिन उ गरिब लोक मरगेलै आ ओकरा स्वरगदुतसब लज्याके अबराहमके लगमे राखल्कै, तब ओहो धनिक लोक मरलै आ गारलगेलै।
तब सिमोन पतरुस ओकरा इसरा कैरके कहल्कै, “पुछ त, उ ककर बारेमे कहैछौ?”