22 येसु यि बात ककर बारेमे कैहरहल छेलै से पका नै भेलासे चेलासब एक-दोसरके ताके लाग्लै।
“अपनासबके बिचमे एहेन के हेतै?” कैहके उसब आपनमे बहस करे लाग्लै।
यि बात सुइनके चेलासब दुखीत भेलै, तब उसब एक-एक कैरके येसुके पुछे लाग्लै “कि उ हम चियै?”
यि बात सुइनके चेलासब बहुत दुखी भेलै आ उसब एक एक कैरके येसुके पुछल्कै, “परभु, कि उ हम चियै?”
उसब खाइत खिना येसु ओइसबके कहल्कै, “हम साँचे तोरासबके कहैचियै, तोरेसबके बिचमेसे एक गोरा हमरा धोखा देतौ।”
उसबके खाइत खिना येसु कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, आपनेसब मेसे सङे खाइबला एक गोरा हमरा धोखा देतै।”
महज देख, हमरा पकरा दैबला लोक हमरेसङे खाइले बैठलछै।
“हम तोरासबके बारेमे नै कैहरहल चियौ, जकरा-जकरा हम चुन्ने चियै ओकरासबके जानैचियै। महज पबितर धरमसास्तर पुरा हेबे कैहके ‘जे हमर रोटी खाइछै ओह्या हमर बिरोधमे आपन एरी उठाइनेछै।’
यि कहलाकेबाद येसुके मन एकदम बेचैन भेलै आ आपन चेलासबके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, तोरेसबमेसे एक गोरे हमरा पकरा देब्ही।”