16 साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै, समाद पठाइबलासे समाद आनैबला बरका नै हैछै।
चेला आपन गुरुसे बरका नै भ्यासकैछै महज निकसे सिखके गुरु जखा भ्यासकैछै।
हम जे बातसब कहलियौ तै बातसबमे गौरसे बिचार कर कि ‘नोकर आपन मालिकसे बरका नै हैछै।’ सन्सारके लोकसब हमरा त सतेल्कै उसब तोरोसबके सताइतौ। यदी सन्सारके लोकसब हमर बात मान्तै त, तोरोसबके बात सेहो मान्तौ।
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, जाबेतक कोइ पानी आ आत्मासे जलम नै लेतै ताबेतक परमेस्वरके राजमे परबेस करैले नै सक्तै।
येसु निकोदेमसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक फेनोसे लोक नया कैरके जलम नै लेतै ताबे तक उ परमेस्वरके राज देखे नै सक्तै।”
तितस हमर सङी चियै आ तोरासबके सहायता करैके लेल हमरसङे काम करैछै। ओकरसङे जाइबला भाइसबके खिरिस्टके महिमाके लेल मन्डलीसब पठाइनेछै।
आपनसबके भाइ, इपाफोरोडिटसके हम तोरासबलग पठाबैके आबसेक देखलियै। हमसब दुनु सङे-सङे काम करलियै आ सुसमाचार सुनाइबला काममे दुख भोगलियै। उ तोरेसबके दुत चियौ, जकरा हमर सहायताके लेल तुसब पठाइने छेल्ही।