15 कथिलेत जहिनङे हम तोरासबके करनेचियौ तहिनङे तोरोसबके करे परतौ कैहके हम एकटा नमुना देने चियौ।
हमर जुवा आपन उपर उठा आ हमरसे सिख, कथिलेत हम दयालु आ नरम हिरदयके चियौ, तब तोरासबके आत्माके बिसराम मिल्तौ।
परमेस्वरमे चियै कहैबला लोक येसुवे जखा चले परैछै।
कथिलेकी परमेस्वर तोरासबके यह्या कामके लेल चुनल्कौ, खिरिस्ट तोरासबके लेल दुख भोगल्कौ आ उ एकटा उदाहरन बन्लै। आबसे तुसब ओकर देख्याल बाटमे चलेपरतौ।
जनङ खिरिस्ट अपनासबके परेम करल्कौ, तहिनङ तुहुसब एक-दोसरके परेम कर। उ अपनसबके खातिर परमेस्वरके अगा आपनेके गमगम करैबला भेटी आ बलिदानके रुपमे अरपन करल्कै।
सहैबला सक्ति आ हौसला दैबला परमेस्वर तोरासबके येसु खिरिस्टके जिबन जखा जियैले आ एके मनके हैले सक्ति देबे।
तोरासबके जिम्मामे देल बिस्बासीसब उपर हुकुम नै चला महज ओइसबके लेल एकटा उदाहरन बन।