12 येसु चेलासबके टाङ धुवाइलाकेबाद, आपन राखल उपरका बस्तर फेनो पिन्हके आपने ठाममे बैठलै। तब उसबके कहल्कै, “हम तोरासबके लेल कथी करनेचियौ, कि तुसब बुझलिही?
तब येसु ओकरा जबाफदैत कहल्कै, “हम कथी करैचियै से तु अखैन नै बुझबिही, महज पाछे बुझबिही।”
तब येसु ख्याके उठलै आ आपन उपरका बस्तर एक कातमे राइखके गम्छा डारमे बानहल्कै।
तब येसु चेलासबके पुछल्कै, “कि तुसब यि सब बात बुझलिही?” उसब जबाब देल्कै, “हँ, बुझलियै।”
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “तुसब यि खिसाके अरथ नै बुझैचिही त औरो कथासबके अरथ कनङके बुझबिही?
आब हमरा कह बरका के चियै? खाइले बैठल मालिक कि खाइले दैबला नोकर? कि खाइले बैठल मालिक नै चियै? महज हम त तोरौरके बिचमे एकटा नोकर नहाइत चियौ।