10 तब येसु ओकरा कहल्कै, “जे असलान करने छै ओकर टाङ मातरे धोबे परतै, कथिलेत उ पुरे सुध रहैछै। तुसब सुध त चिही, महज सबकोइ नै।”
किसान ठाइरके साफ करल जखा तुसब पहिनेसे हमर बचनसे सुध भेलचिही।
अहैलेल यदि कोइ खिरिस्टमे छै त उ लोक लया सिरिस्टी चियै। पुरना जिबन बितके चैलगेलै, देख, आब लया जिबन सुरु भेलछै।
अहैलेल हे हमर पिरिय सङीसब, परमेस्वर अपनासबके देल यि परतिग्या अनुसार देह आ आत्माके असुध बनाबैबला हर किसिमके बातसे अपनासब दुरे रह आ परमेस्वरके डर मानैत औरो पबितर हैत चल।
येसु खिरिस्टमे पाप नै छेलै, तैयो परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टमे धरमी ठहराबैके लेल अपनासबके पाप खिरिस्टमे राइखदेल्कै।
बास्तममे अपनासब भुलचुकमे बहौतरा गल्ती करैचियै। बोलि-बचनमे कहियो गल्ती नै बाजैबला लोक सिध लोक चियै। उ लोक आपन पुरा सरिरमे लगाम लगाइले सक्तै।
यि सब खाइ-पियैबला आ अनेक धारमिक बिधीसे सुध हैबला नियम मातरे छेलै। परमेस्वरके लया बेबस्था नै आबैतलिक करैबला धारमिक बिधी मातरे चियै।
अपनासबके सान्ती दैबला परमेस्वर आपनेसे हरतरहसे तोरासबके पबितर राखे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट नै आबैतक तोरासबके आत्मा, परान, देह निरदोस रहे से हमर आसा चियै।
हमरासबके अपराध छमा करु, जनङ हम्हुसब आपन अपराधीसबके छमा करनेचियै।
तकरबाद सिमोन पतरुस ओकरा कहल्कै, “ओहेन छै त, परभु, हमर टाङ मातरे नै, महज हमर हाथ आ मुरो धोइबदिय।”
“हम तोरासबके बारेमे नै कैहरहल चियौ, जकरा-जकरा हम चुन्ने चियै ओकरासबके जानैचियै। महज पबितर धरमसास्तर पुरा हेबे कैहके ‘जे हमर रोटी खाइछै ओह्या हमर बिरोधमे आपन एरी उठाइनेछै।’