23 येसु ओइसबके कहल्कै, “मानब बेटाके महिमा परगट हैबला समय आइबगेल छै।
जब उ तेसर बेर एलै आ ओइसबके कहल्कै, “कि तुसब अखुनतक सुतलेचिही आ अराम कैररहलचिही? आब भेलौ, समय चैलएलौ। देख, मानबके बेटा पापीसबके हाथमे पकरल ज्यारहल छौ।
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
ओकर चेलासब पहिने यि बात नै बुझल्कै। महज येसु महिमीत भेलाके बाद ओकरासबके याद एलै कि यि बात ओकरे बारेमे लिखल छेलै आ उ लोकसब यि सबकाम ओकरे लेल करल्कै कैहके बुझल्कै।
तब उ चेलासब लग आइबके ओइसबके कहल्कै, “कि अखनियो तुसब सुतले चिही आ आरामे करैचिही? देख, समय नजदिक आइबगेल छौ। मानबके बेटा पापी लोकके हाथमे पकराबैले लागल छै।
तब कन्हिक दुर ज्याके येसु भुइयामे ठेङहुनिया देल्कै आ भ्यासकैछै त यि दुखके समय हमरसे दुर हेबे कैहके परथना करे लाग्लै।
येसु यि बात पबितर आत्माके बारेमे कहने छेलै, जे पबितर आत्मा ओकरमे बिस्बास करैबलासब पाबैले लागलछेलै। ओइ बखत तक परमेस्वर पबितर आत्माके नै पठेने छेलै, कथिलेत येसु आपन स्वरगके महिमामे घुइमके नै गेलछेलै।
“आब हमर मन बेचैन भेल छै, हम कथी कहु? कि हम यि कहबै ‘हे परमेस्वर पिता, आबैबला दुखसे हमरा बचाबु’? नै, एह्या कारनसे हम अइ समयतक आइबगेलियै।
निस्तार पाबैनसे पहिने, येसु अइ सन्सार छोइरके पितालग जाइबला समय आइबगेल छै से उ जानैछेलै। तब उ सन्सारमे भेल आपन चेलासबके परेम करल्कै आ अन्तिम समयतक उसबके परेम कैरते रहलै।