10 अहैलेल मुल पुजारीसब लाजरसके सेहो मारैके पका करल्कै।
अबराहम कहल्कै, ‘मोसा आ अगमबक्ताके पबितर धरमसास्तरमे लिखल बातके नै मान्तौ आ नै सुन्तौ त कोइ मरियो के जि जेतौ त उसब बिस्बास नै करतौ।’”
जब रजा हेरोद देखल्कै कि ज्योतिससब ओकरा धोखा देनेछै, तब उ तामससे चुर भ्यागेलै। ज्योतिसेसबसे थाह भेल्हा समय अनुसार बेथलेहेम आ ओइ इलाकामे भेल दुइ बरिस आ ओइसे कमके सब बालकसबके मारैले लगाइल्कै।
मुल पुजारीसब आ फरिसीसब येसुके पकरैले ताकैछेलै। तैल्याके उसब येसु कते छै थाह भेल्हासबके समाद आनैले आग्या देनेछेलै।
महज फरिसीसब सभाघरसे बाहर निकैलके ओकरा कनङके मारबै कैहके आपनेमे सल्लाह करे लाग्लै।
यहुदी लोकसबके एकटा बरका भिर येसु बेथानियामे छै कैहके थाह पाबल्कै। उसब ओते येसुके लेल मातरे नै महज येसु मुरदासे जिबित करल लाजरसके सेहो देखैके लेल एलछेलै।
कथिलेत लाजरस जिबित भेलासे बहुतो यहुदीसब पुजारीसबके छोइरके येसुमे बिस्बास करैछेलै।