9 तब येसु जबाफदैत कहल्कै, “दिनमे बारह घन्टा नै हैछै से? दिनमे चलैबला लोकके ठेस नै लागैछै, कथिलेत उ अइ सन्सारके इजोतमे देखैछै।
हमरा पठाइबलाके कामसब अपनासबके दिन रहिते करे परतौ, कथिलेत रातके अन्हारमे कोइ नै काम करे सकैछै।
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “औरो कुछ समयतलिक इजोत तोरासबसङे छौ। इजोत रैहते तुसब चलफिर कर, नै त अन्हार तोरासबके झाइपदेतौ। जे अन्हारमे चलैछै, उ कते ज्यारहल छै से उ नै जानैछै।
महज रातमे चलैबलाके ठेस लागैछै, कथिलेत ओकरसङे इजोत नै रहैछै।”
आपन भाइके परेम करैबला इजोतमे रहैछै आ ओकरमे दोसरके बाधा दैबला कोनो बात नै रहैछै।