41 तब उसब चिहानके मुहमे राखलहा पथल हटाइल्कै। तब येसु उपर दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, हम अहाँके धन्यबाद दैचियै, कथिलेत अहाँ हमर बिन्ती सुनलियै।
ओहै बखत येसु कहल्कै, “हे पिता स्वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेत यि बातसब अहाँ बातसब बुधिमान आ बिदवान सबसे घोसाइरके राखलियै, महज बच्चासबमे परगट करलियै।
येसु यि सब बात कहलाके बाद स्वरग दिसन ताइकके कहल्कै, “हे पिता, आब समय आइबगेल छै। अहाँ आपन बेटामे महिमा परकट करु, ताकि बेटो अहाँके महिमा परकट करे।
तहै बखत येसु पबितर आत्मामे खुसीसे भैरके कहल्कै, “हे परमेस्वर पिता, स्वरग आ पिरथिबीके मालिक, हम अहाँके धन्यबाद चरहाइचियै, कथिलेत अहाँ यि बातसब बुधिमान आ समझदारसे घोसाइरके राखल बात छोट बच्चासबमे परगट करलियै, कथिलेत पिता, अहिनङ करैले अहाँके इक्छा लागल।
कोनो बातके चिन्ता नै कर, महज खाचो परल चिजके लेल परमेस्वरमे परथना कर आ ओकर करल सब असल चिजके लेल धन्यबाद दहै।
“महज उ बटी उठाइबला लोक दुरे ठार भ्याके स्वरग दिसन आँखके पलकियो नै मारके आपन छाति पिट-पिटके कहल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम पापी उपर दया करु!’”
हँ पिता, कथिलेत अहाँके अहिनङ करैले असल लागल।
आ उ चटानमे खुइनके बनल आपने लबका चिहानमे राइखके चिहानके मुहमे बरका पथल गुरकाके बन्द कैरदेल्कै आ ओतेसे चैलगेलै।
तब योसेफ छनगर सुतिके बस्तर किनके आनल्कै आ येसुके लहास कुरूससे निचा उताइरके ओइसे लपेटल्कै। तकरबाद चटानमे खाइध खुइनके बनाएल चिहानमे राखल्कै। ओइ चिहानके मुह बरका पथलसे झाइप देल्कै।
जब उसब ओइठाम पहुचलै तब चिहानके झाइपके राखलहा बरका पथल हट्याल देखल्कै।
महज हमरा थाहछै कि, अखुन्तो अहाँ परमेस्वरसङे जे माङबै, से परमेस्वर अहाँके द्यात।”
रैबदिन मरियम मग्दलिनी भोरे चिहानमे एलै आ उ चिहानके मुहमे राखल पथल हट्याल देखल्कै।
महज उ पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके एकटक लग्याके स्वरग दिसन ताकल्कै, ओते उ परमेस्वरके इजोत चम्कैत आ परमेस्वरके देहनाकता येसुके ठारभेल देखल्कै।