25 तब येसु ओकरा कहल्कै, “पुनरुथान आ जिबन हम्ही चियै। जे हमरा बिस्बास करतै, उ मरबो करतै त जिबित हेतै।
कथिलेकी येसु मरलै आ फेनसे जिबित भेलै कैहके अपनासब बिस्बास करैचियै, अहैलेल जब येसु फेनसे एतै त मरैसे पहिने येसुमे बिस्बास करल लोकसबके परमेस्वर फेनसे जियेतै आ ओकर सङे-सङे एतै।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
बचन सिरिस्टी भेल सब चिजके जिबन दैबला छेलै। यि जिबन दैबला लोकसबके लेल इजोत छेलै।
कथिलेत जहिनङ पिता मरलाहासबके जियाबैछै आ ओकरासबके जिबन दैछै, तहिनङ बेटो जकरा मन करैछै तकरा जिबन दैछै।
हमरा पठाबैबला पिता लोकसबके हमरलग आबैके मन नै देतै त कोइ नै हमरलग आबैले सक्तै आ अन्तके दिनमे हम उसबके जियाइबै।
कथिलेत परमेस्वरके आत्मा येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अनन्त जिबन दैछै। अपनासबके पापके नियम आ मिरतुसे छुटकरा दैछै।
तब येसु फेनो उसबके कहल्कै, “जिबनके रोटी हम्ही चियौ। जे हमरलग एतै उ कहियो नै भुखल रहतै आ हमरमे बिस्बास करैबला कहियो नै पियासल रहतै।
परमेस्वर ओकरासबके आँखके पुरे लोर पोइछदेतै। ओते मिरतु, सोक, बिलाप आ दुख नै हेतै। कथिलेत पुरन्का सब बात बित गेलछै।”
हम खिरिस्टके औरो निकसे चिन्हैले आ ओकरा जियाइबला सक्तीके अनुभव करैले चाहैचियै। ओकर जखा दुख सहैले आ मरैयोले इक्छा करैचियै,
बाकी मरलहासब एक हजार बरिस नै बितैतक जिबित नै भेलै। पहिन्का पुनरुथान एह्या चियै।
अहिनङे जिबन दैबलाके तुसब मारलिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै। हमसब यि बातके गबाही चियौ।
येसु कहल्कै, “बाट, सत आ जिबन हम्ही चियै। बिना हमरसे कोइ नै पितालग पुइग सकैछै।
कथिलेत जहिनङे पिता आपनेमे जिबनके मुल चियै, तहिनङे उ आपन बेटोके जिबनके मुल बनाइनेछै,
पबितर आत्मा आ कनिया कहैछै, “आबु!” जे लोक सुनैछै, उहो लोक कहे कि, “आबु।” जे पियासल छै, उ आबे आ जकरा इक्छा लागैछै उ जिबनके पानी मङनिएमे पिबे!
कुछ देरके बाद हमरा फेनो सन्सार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही।
हम त दोधारमे परल चियै। बरु अइ सन्सारसे बिदा भ्याके खिरिस्टसङे रहैके हमर बरका इक्छाछै, कथिलेकी यि एकदम असल बात चियै।
तकरबाद स्वरगदुत हमरा इस्फटिक जखा चमकदार जिबनके पानीके लदी देखल्कै। उ लदी परमेस्वर आ थुमाके सिंहासनसे निकैलके,
हमसब जानैचियै कि परभु येसुके जियाइबला हमरोसबके येसु सङे जियाइतै आ वह्या हमरासबके आ तोरासबके आपनलग लजाइतै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सन्सारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्वमे नै भेल चिजके असतित्वमे लाबैबला परमेस्वरमे अबराहम बिस्बास करल्कै।
तब येसु ओकरा जबाब देल्कै, “साँचोके हम तोरा कहैचियौ, आइयेके तु हमरसङे स्वरगमे रहबिही।”
यदि मरल लोकसब जीके नै उठतै त, मरल लोकसबके सम्झनामे लेल बप्तिस्माके कोन अरथ भेलै त? यदि मरल लोकसब जीके नै उठैछै त लोकसब ओइसबके लेल कथिले बप्तिस्मा लैछै?
तब त खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मरलहासब सेहो नास भेल छै।
कथिलेकी परमेस्वर सन्सारके लोकसबके एहेन परेम करल्कै कि उ आपन एकलौता बेटाके देल्कै। ओकर उपर बिस्बास करैबला नास नै हेतै, महज उ अनन्त जिबन पाबतै।
जिबित हैबला हम्ही चियै। हम मरल छेलियै महज आब सबदिनके लेल जिबित चियै, मिरतु आ पतालके कुजीसब हमर हाथमेछै।