5 उसब अनचिन्हार लोकके नै पछुवाइतै, महज ओकरा देखके भाइगजेतै, कथिलेत अनचिन्हारके बोली उसब नै चिन्हैछै।”
तोहर करल मेहनतके काम आ तोहर धिरज हमरा थाहछै। तु दुस्ट लोकसबके सहन करैले नै सकैचिही कैहके हमरा सेहो थाहछै। परेरित नै चियै तैयो आपनके परेरित कहैबलासबके तु जाँच कैरके झुठ साँच पता लगाइनेचिही सेहो थाहछै।
तब येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “तुसब जे सुनैचिही, तैमे धियान दहै। कथिलेत जतहेक धियान द्याके सुनबिही ततहेक तुसब बेसीसे बुझेसकबिही आ तुसब औरो बेसीसे बुझेबला सक्ती पाबबिही।
तुसब सतके नै चिन्हैचिही कैहके हम नै लिख्नेचियौ, महज तुसब सतके चिन्हैचिही आ सतसे झुठ नै आबैछै से बात तुसब जाइन्ते चिही कैहके हम यि लिखने चियौ।
उसब अपनासबके लोक नै रहै, तहै खातिर अपनासबके छोइरके चैलगेलै। यदि उसब अपनासबके लोकसब रहतियै त आपनेसबके सङे रहतियै। उसब अपनासबके नै चियौ से बात परस्टे छै से देखाइले उसब अपनासबके छोइरके चैलगेलै।
कथिलेत आब एहेन समय आइबरहल छै कि लोकसब सहि सिक्छाके बात सुनैले बरदास नै करतै। बरु आपने इक्छाके पछा भाग्तै। उसब आपन इक्छासे ओहै गुरुसबके ढेरियाइतै जे ओइसबके सुनैले मज्जा लागैबला बातसब सुनाइतै।
अइ खातिर होसियार रह, सुनल बातसबके ध्यान दहै कथिलेत जकरसङे छै, ओकरा औरो देतौ आ जकरसङे नै छै, जे कोइ सङे छै कहके ठानैछै ओकरसे भेल्हो छिनलेतौ।”
जब उ आपन भेंरासबके बाहर निकालैछै तब उ ओइसबके अगा-अगा जाइछै आ भेंरासब ओकर पछा-पछा आबैछै, कथिलेत उसब ओकर बोली चिन्हैछै।
हमर औरो भेंरासब छै जे अइ जेरके नै चियै। हमरा ओकरोसबके अइ जेरमे लाबैके जरुरी छै। उसब हमर बोली सुन्तै आ सब एके जेरमे हेतै आ उसबके एकेटा चरबाह हेतै।