40 येसु फेनो यरदन लदीके ओइपार चैलगेलै जते युहन्ना सुरुमे बप्तिस्मा दैछेलै आ उ ओतै रहलै।
यि सब बात यरदन लदीके ओहै कात बेथानिया कहैबला ठाममे भेलै, जते युहन्ना बप्तिस्मा दैतरहै।
तैखातिर येसु फेनो यहुदीसबके बिचमे खुलमखुला नै चलेलाग्लै, महज उजार जगहके नजदिकमे रहल एफराइम नाउके सहरमे गेलै आ आपन चेलासबसङे ओतै रहेलाग्लै।
तकरबाद येसु गालिल परदेसमे घुमफिर करल्कै। उ यहुदिया इलाका दिसन जाइले नै चाहल्कै, कथिलेत यहुदीसब ओकरा जानसे मारैले मौका ताकैछेलै।
उसब युहन्ना लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, यरदन लदीके ओइपार जे अहाँसङे रहै, जकर बारेमे अहाँ गबाही देने रहियै, से बप्तिस्मा द्यारहलछै आ सब गोरा ओकरे लग जाइछै।”
तकरबाद उ आपन चेलासबके कहल्कै, “ले आब, अपनासबके फेनो यहुदिया परदेसमे चल।”