24 यहुदी अगुवासब ओकर चारुकात जमा भ्याके कहल्कै, “अहाँ कहियातक हमरासबके दोधारमे राखबै? यदी अहाँ मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै त हमरासबके सत बात कैहदियौ।”
जखन यहुदी अगुवासब यरुसलेमसे पुजारी आ लेबीके युहन्ना लग “तु के चिही?” कैहके पुछैले पठेल्कै।
कि तु हमरासबके पुरखा अबराहमोसे महान चिही? उ त मरलै आ अगमबक्तासब सेहो मरलै। तु अपने-आपके के चियै कैहके ठानैचिही?”
उसब येसुके पुछल्कै, “अहाँ के चियै त?” येसु जबाफदैत कहल्कै, “हम ओह्या चियै, जे सुरुवेसे कहैत आइबरहलचियौ।”
“उ जे आबैबला छै, से अहै चियै, कि हमसब दोसरके पेरा ताकु?”
हमरासबके एहेन आसा भेलाके कारन हमसब एकदम साहसी भेलचियै।
“यि बात हम तोरासबके खिसा-पिहानीसबमे कहनेचियौ। महज समय आइबरहल छौ, तैबखत हम तोरासबके सङे फेनो खिसा पिहानीमे नै बाज्बौ, बल्की पिताके बिसयमे साफ-साफ कैहदेबौ।
यहुदीसबके डरसे ओकर बाप-महताइर एहेन जबाब देल्कै कथिलेत येसुके मुक्ती दैबला रजा खिरिस्ट जेसब कहतै, तैसबके सभाघरसे निकाले परतै तै बातमे यहुदीसब पैहने सहमत भेलरहै।
जब लोकसब मुक्ती दैबला खिरिस्टके आसमे छेलै तब उसब मनेमन “युहन्ने मुक्तीदाता खिरिस्ट चियौ कि?” से बात गनथन करैछेलै।
से बात खोइलके येसु आपन चेलासबके कहल्कै। महज यि सुइनके पतरुस ओकरा एक कातमे लज्याके हपारल्कै।
यहुदी अगुवासब फेनो येसुके मारैके लेल पथल उठाइल्कै।
यहुदी अगुवासब येसुके जबाफ देल्कै, “असल कामके लेल हमसब तोरा नै मारबौ, महज तु परमेस्वरके बिरुधमे निन्दा करैके कारन पथलेसे तोरा मारैले चाहलियौ। कथिलेकी तु मानब भ्याके अपनेके परमेस्वर कहैचिही।”