10 चोर त चोराइले, मारैले आ नास करैके लेल मातरे आबैछै। महज हम त लोक जिबन पाबे आ उ भरपुर कैरके पाबे कैहके एलियै।
कथिलेत मानबके बेटा हरेल्हाके ताकैले आ बचाइले एलछै।”
स्वरगसे एल जिबित रोटी त हम्ही चियै। जे कोइ यि रोटी खेतै, से कोइ सबदिन जिबित रहतै। सन्सारके लोकसबके जिबनके लेल जे रोटी हम दैचियै, उ हमर देह चियै।”
यदी कोइ हमर कहल बचन सुनैछै आ ओइ बचनके पालन नै करैछै तकर हम नियाय नै करबै। कथिलेकी हम सन्सारमे नियाय करैले नै एलचियै, महज सन्सारके बचाइले एलचियै।
कथिलेत परमेस्वरके रोटी ओह्या चियै, जे स्वरगसे आइबके सन्सारके जिबन दैछै।”
परमेस्वर त आपन बेटाके सन्सारके दोसी ठहराबैके लेल नै महज ओकरसे सन्सारके लोकसब बचे कैहके पठेल्कै।
यि बात सत चियै आ सुइकार योग्य छै कि येसु खिरिस्ट पापीसबके बचाइके लेल अइ सन्सारमे एलै। ओइ पापीसबसे बेसी पापी हम चियै।
येसु कहल्कै, “हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ भेंरा रहैबला घारिघरके केबारबाटे नै ढुकैछै, महज दोसरकातसे उपर चरहैके ढुकैछै, उ चोर आ डाकु चियै।
तैहनङे मानबोके बेटा दोसरसे सेबा लैले नै, महज सेबा करैले आ बहौत लोकसबके पापसे छुटकारा दैके खातिर आपन परान दैले एलछै।”
अहैलेल येसुमे बिस्बास कैरके परमेस्वरके लग आबैबलासबके उ सबदिन उधार करैले सकैछै, कथिलेत ओइसबके लेल परमेस्वरसङे परथना करैले सबदिन जिबितछै।
तब अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनन्त राजमे तोरासबके धुम-धामसे स्वागत हेतौ।
परमेस्वरके परतिग्या पाबैबला लोकसबके उ आपन करल परतिग्या पक्का छै आ कहियो नै बदलतै कैहके देखाबैके लेल उ किरिया खेल्कै।
“तोहे धरमगुरुसबके आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब स्वरगके राजके केबार खोलैबला कुजी त लेल्ही, महज नै अपने ढुकलिही नै दोसरके ढुकैले देल्ही।
अनङ तुसब दोसरके सिखाइचिही, महज आपने कथिले नै सिखैचिही? तुसब दोसरके चोरी करैले नै हैछै कहैचिही, महज आपने कथिले चोरी करैचिही?
“होसियार रह, यि छोट बच्चासबमेसे ककरो तुसब निच नै समझ। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, उसबके देखभाल करैबला स्वरगदुतसब स्वरगमे रहैबला हमर पिताके अगामे रहैछै।
तब उ सिक्छा दैत कहल्कै, “कि एहेन लिखल नै छै, ‘हमर घर सब जातीसबके लेल परथनाके घर कहाइतै’? महज तुसब त अकरा डाकुसबके अड्डा बनाइने चिही।”
उ गरिबसबके वास्ता करैबला भेलासे एहेन नै कहने छेलै कथिलेकी उ चोर छेलै आ पैसाकौरीके बटुवा ओह्या राखैछेलै आ ओहैमेसे उ चोराइ छेलै।
तब येसु उसबके कहल्कै “पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, ‘हमर घर परथनाके घर कहाइतै।’ महज तुसब त अकरा डाकुसबके अड्डा बनाइने चिही।”
तैयो तुसब अनन्त जिबन पाबैके लेल हमरलग आबैले नै चाहैचिही।
“असल चरबाह हम्ही चियै। असल चरबाह त आपन भेंरासबके लेल आपन परानो दैले पछा नै हटैछै।
[कथिलेत मानबके बेटा हरेल्हासबके बचाइले एलछै।]