1 येसु कहल्कै, “हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे कोइ भेंरा रहैबला घारिघरके केबारबाटे नै ढुकैछै, महज दोसरकातसे उपर चरहैके ढुकैछै, उ चोर आ डाकु चियै।
“झुठा अगमबक्तासबसे होसियार रह, जे तोरासबके बिचमे भेंराके भेसमे आबैछौ, महज भितरसे उसब भुख्याल नरहिया जखा हैछै।
कथिलेत एहेन लोकसब अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नै महज आपन पेटके लेल सेबा करैछै। उसब निक-निक बात बन्याके सिधासाधा लोकसबके ठगैछै।
हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हमरसङे पबितर आत्मा छै कहैबला जकरे-तकरेमे बिस्बास नै कर, महज ओइसबसङे परमेस्वरके आत्मा छै कि नै छै, जाँचके देख कथिलेत बहौत झुठा अगमबक्तासब सन्सारमे एलछै।
कोइ नै आपनेसे परधान पुजारी भ्याके आदर पाबैले सक्तै, महज परधान पुजारी हारुने जखा परमेस्वरके बोल्याल लोकसब मातरे पाबैले सक्तै।
उसब लोभमे पैरके झुठा बातसब बनाइतौ आ तोरासबसे फैदा उठेतौ। ओइसबके दन्डके आदेस पहिने भ्यागेल छै आ ओइसबके नास पक्के हेतै।
जहिनङे इजराएलीसबके बिचमे झुठा अगमबक्तासब छेलै, तहिनङे तोरोसबके बिचमे झुठा गुरुसब देखा परतौ। उसब गुपचुपेमे नास हैबला झुठा बातसब सिखाइतौ आ मुक्ती दैबला परभुके सेहो उसब इन्कार कैरके आपन उपर जल्दिए नास लाबतै।
तोरासबके मिलल यि मुक्तीके बारेमे अगमबक्तासब बहौत निकसे खोज-तलास करने रहौ। परमेस्वर तोरासबके दैबला अनुगरहके बारेमे पहिनेसे अगमबानी करने छेलौ।
सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्दर!”
येसु निकोदेमसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक फेनोसे लोक नया कैरके जलम नै लेतै ताबे तक उ परमेस्वरके राज देखे नै सक्तै।”
ओकरासबके मुहमे जाबी लगाइए परतै कथिलेत उसब पैसा-कौरी कमाबै खातिर झुठ सिक्छा सिख्याके सब घर परिबारमे उधपात मचाइने छै।
ओहैसे येसु फेनो ओइसबके कहल्कै, “हम तोरा साँचोके कहैचियौ, भेंरासबके ढुकैबला केबार हम्ही चियै।