6 परमेस्वरसे पठ्याल एकटा युहन्ना नामके लोक छेलै।
‘हम मुक्ती दैबला खिरिस्ट नै चियै, महज हम ओकरसे पैहने पठाल लोक चियै’ जे हम कहलियौ से बातके तुसब आपनेसे सुन्ने चिही।
साँचोके उ के चियै से हम नै चिन्है छेलियै, महज जे हमरा पानीसे बप्तिस्मा दैले पठाइल्कै ओह्या हमरा कहल्कै, जकर उपरमे पबितर आत्मा उतैरके बैठल देखबिही ओह्या पबितर आत्मासे बप्तिस्मा दैबलाहेतौ।
येसु आपन सेबाके काम सुरु करैसे पैहने बप्तिस्मा दैबला युहन्ना एलै। उ सब इजराएलके सबलोकके आपन-आपन पाप माइनके बप्तिस्मा लेबे परतौ कैहके परचार करल्कै।
हे हमर बेटा, तु सरबोच परमेस्वरके अगमबक्ता कहाइबिही। कथिलेत तु परभुके अगा-अगा ओकर रस्ता बनाइले जेब्ही।
यि ओह्या चियै जकर बारेमे पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, ‘देख, हम आपन दुतके तोहर अगा-अगा पठाइबौ जे तोहर खातिर रस्ता तयार करतौ।’
महज स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “ए जकरिया, नै डेरा! तोहर परथना परमेस्वरमे सुइकार भेलछौ। आब तोहर घरबाली एलिसिबा तोहर लेल एकटा बेटा जलमाइतौ, तु ओकर नाम युहन्ना राखिहे।
युहन्नाके बप्तिस्मा दैके अधिकार परमेस्वरसे पाबने छेलै, कि मानबसे?” तब उसब आपनेमे छलफल करे लाग्लै, “अदी ‘स्वरगसे’ कहबै त ‘तुसब ओकर उपर कथिले बिस्बास नै करलिही’ कैहके कहतै।