48 तब नथानेल पुछल्कै, “अहाँ हमरा कनङके चिन्हलियै?” येसु जबाब देल्कै, “फिलिप तोरा बोलाइसे पैहनैये हम तोरा अन्जिरके गाछतरमे रहैत खिना देखने छेलियौ।”
लोकसबके बारेमे ककरो नै ओकरा कहैके जरुरी छेलै, कथिलेकी ककर हिरदयमे कथी छै से बात उ आपने जानैछेलै।
महज जब तुसब परथना करैचिही त, आपन भितरी कोठलीमे जो आ केबार लग्याके आपन पिता जकरा कोइ नै देखेसकैछै तकरसे परथना कर। जे गुप्तमे करल काम देखैछै ओह्या पिता तोरा इनाम देतौ।
ओकर मन भितरके गुप्त बातसब बाहर एतै। तब उ ठेङहुनिया द्याके परमेस्वरके आराधना करतै आ “परमेस्वर साँचोके तोरासबके बिचमे छौ” तै बातके घोसना करतै।
तैखातिर परभु नै आबैतक ककरो दोस नै लगा। आब अन्हारमे घोसरल बातसब उ इजोतमे लाबतै आ लोकके मनभितरके बिचारसब परकट करतै। तब सबलोक परमेस्वरसे आपन परसन्सा पाबतै।
फिलिप आ बारथोलोमाइ, थोमा आ बटी उठाइबला मती, अल्फयासके बेटा याकुब आ थेदियस,
अन्दरियास आ पतरुसे जखा फिलिपो बेथसेदा सहरमे रहैबला रहै।
जब येसु नजैर पसाइरके ताकल्कै त लोकसबके बरका भिर आपन दिसन आबैत देखके फिलिपके पुछल्कै, “अकरासबके खियाइले अपनासब कतेसे रोटी आनबिही?”
फिलिप ओकरा जबाफ देल्कै, “दुइ सय चानीके डलरसे किनल रोटी कन्हिको-कन्हिको देतै तैयो ओइसबके नै पुग्तै।”
उसब गालिल परदेसके बेथसेदा गामके फिलिप लग आइबके बिन्ती करैत कहल्कै, “हजुर, हमसब येसुसे भेट करैले चाहैचियै।”
फिलिप येसुके कहल्कै, “परभु, हमरासबके पिता देख्यादिय। ओतबेसे हमरासबके पुइग जेतै।”