41 अन्दिरियास सबसे पहिने आपन भैया सिमोन पतरुसके भेटके कहल्कै, “हमसब मसिहके भेटलियै।” (हिबरु भसामे खिरिस्टके मसिह कहैछै।)
यि बात सुइनके सामरी जनी कहल्कै, “हम जानैचियै कि मसिह (जकरा ‘खिरिस्ट’ कहैछै) आबैबलाछै। उ आइबके सब बात हमरासबके बुझ्यादेतै।”
तकरबाद फिलिप नथानेलके भेटके कहल्कै, “हमरासबके उ भेटलै जकर बारे धरमसास्तरमे मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासब सेहो लिखने छेलै। उ योसेफके बेटा नासरतके येसु चियै।”
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
तहै बखत ओहो मरियम आ योसेफके लग आइबके परमेस्वरके बढाइ करल्कै आ बालक येसुके बारेमे यरुसलेमके छुटकाराके लेल रस्ता देखैबला सबके सुनेल्कै।
चरबाहासब बालकके देखल्कै तब स्वरगदुत कहने रहै से बात सबकोइके ओकर बारेमे सुनेल्कै।
“साँचोके अहाँके अभिसेक करल पबितर सेबक येसुके बिरोधमे हेरोद आ पन्तियस पिलातस दुनुगोरा आन जात आ इजराएलीसबसङे अहै सहरमे जमा भेलरहै।
हमसब जे देखने आ सुन्ने चियै, से हमसब तोरासबके सुनाबैचियौ जेकि तुहुसब हमरासबसङे सङगती करेसकी। अपनासबके सङगती त पिता आ ओकर बेटा येसु खिरिस्टसङे छै।
“देख, कुमाइर छौरीके देहभारी हेतौ आ उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ ओकर नाम इम्मानुएल राखल जेतै” जकर अरथ हैछै, “परमेस्वर हमरासबसङे छै।”