39 तब येसु जबाब देल्कै, “आइबके देख!” उसब ओकरसङे ज्याके ओकर रहैबला ठाम देखल्कै आ ओइ दिन ओकरेसङे रहलै। कथिलेकी तै बखत बेरियाके चार बजे लागल छेलै।
महज उसब येसुके कहल्कै, “हमरेसबसङे रहु, सुरुज डुइबगेलै आ रातो हैले लागल जाइछै” तब येसु ओहैसबसङे रहैले घर भितर ढुक्लै।
जकरा पिता हमरा देनेछै उ हमरलग एतै आ जे कोइ हमरलग एतै ओकरा हम कहियो नै छोरबै।
तब उसब येसुके भेटैले एलै आ हमरासबसङे बैठु कैहके बिन्ती करल्कै, तब येसु ओइसबसङे दुइ दिन ओतै रहलै।
यि सुइनके नथानेल कहल्कै, “कि नासरतसे कोनो निक बात आइब सकैछै?” तब फिलिप ओकरा कहल्कै, “आइबके देखले।”
देख, हम केबारके देहरीमे ठार भ्याके ढकढकाइबौ। कोइ हमर सोर सुनके केबार खोइलदेतै त, हम ओकर कते भितर एबै आ ओकरसङे भोजन खेबै आ उ हमरसङे भोजन खेतै।
येसु पछामाथे घुइमके ताकल्कै त ओइसबके आपन पछा लागल देखके पुछल्कै, “तुसब कथी ताकैचिही?” उसब जबाब देल्कै, “रब्बी, (जकर अरथ गुरु जी चियै) अहाँ कते रहैचियै?”
युहन्नाके बात सुइनके येसुके पछुवाइबला दुइगोरामेसे एक गोरा सिमोन पतरुसके भाइ अन्दरियास रहै।