37 यि बात सुइनके दुइ गोरा चेलासब येसुके पछा लाग्लै।
बिस्बास सुनाइसे आबैछै आ सुनाइ त खिरिस्टके परचारसे आबैछै।
तकर बिहानके येसु गालिल इलाका जाइले निरनय कैरके निकललै। तहै बखत ओकरा फिलिपसङे भेट भेलै आ उ ओकरा कहल्कै, “हमर पछा लाग।”
पबितर आत्मा आ कनिया कहैछै, “आबु!” जे लोक सुनैछै, उहो लोक कहे कि, “आबु।” जे पियासल छै, उ आबे आ जकरा इक्छा लागैछै उ जिबनके पानी मङनिएमे पिबे!
तोरासबके मुहसे खराब बात नै निक्ले, महज भलाइ करैबला आ मिठ बचन बोल ताकि सुनैयोबलासबके भलाइ हेबे।
येसुके लगे बाटे जाइत देखके उ कहल्कै, “देख, एह्या चियौ परमेस्वरके थुमा।”
येसु पछामाथे घुइमके ताकल्कै त ओइसबके आपन पछा लागल देखके पुछल्कै, “तुसब कथी ताकैचिही?” उसब जबाब देल्कै, “रब्बी, (जकर अरथ गुरु जी चियै) अहाँ कते रहैचियै?”