32 युहन्ना अहिनङ कहैत गबाही देल्कै, “हम परमेस्वरके आत्माके पौरकीके रुपमे स्वरगसे उतैरके ओकर उपर बैठल देखलियै।
आ पबितर आत्मा पौरकी के रुपमे उपरसे आइबके येसुके उपर बैठलै तब स्वरगसे एहेन एकटा अबाज एलै, “तु हमर दुलरुवा बेटा चिही, तोहर से हम बहुत खुसी चियौ।”
येसु पानीसे बाहर निकलते मातर स्वरग उघरलै आ पबितर आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपर आबैत देखल्कै।
तब येसु बप्तिस्मा ल्याके तुरन्ते पानीसे बाहर निकल्लै, तब स्वरग उघरलै आ उ परमेस्वरके आत्मा पौरकीके रुपमे आपन उपरमे आबैत देखल्कै।
ओकरेसे सबकोइ इजोतमे बिस्बास करे कैहके इजोतके गबाही दैले उ साक्छी भ्याके एलै।
महज कोइ दोसर गोरा हमर बारेमे गबाही दैछै आ हम जानैचियै कि, हमर बारेमे उ जे गबाही दैछै उ सत छै।
उ के चियै से हम्हु नै चिन्हैछेलियै, महज ओकरा इजराएलीसबके बिचमे परगट हेबे कैहके हम पानीके बप्तिस्मा दैत एलियै।”