3 सबचिज परमेस्वर ओकरेसे सिरिस्टी करल्कै। सिरिस्टी भ्याल चिजसबमेसे एकोटा चिज ओकरबिना नै बन्लै।
महज हमसब जानैचियै कि, अपनासबके एक मातरे परमेस्वर पिता छै, जकरसे सब चिजके सिरिस्टी भेलै आ हमसब ओकरे लेल जियैचियै। अपनासबके थाहछै कि, अपनासबके एक मातरे परभु, येसु खिरिस्ट छै। ओकरेसे सबकुछ सिरिस्टी भेलै आ जकरसे हमसब जियैचियै।
“हे हमर परभु परमेस्वर, अहाँ सम्मान, आदरके योग्य चियै, कथिलेत अहि सब चिजके सिरिस्टी करनेचियै आ अहाँ आपने इक्छा बमोजिम सिरिस्टी करलियै आ उ असतित्वमे एलै।”
उ सन्सारमे छेलै, सन्सार ओकरेसे बन्लै, तैयो सन्सार ओकरा नै चिन्हल्कै।
सब चिजके सिरिस्टी करैबला परमेस्वरमे जुगो-जुगतक घोसाइरके राखल रहसके योजना कि चियै, से बात सबलोकके खुलस्त रुपमे बताइबला काम हमरा देने छै।
उ सुरुवेसे परमेस्वरसङे छेलै।
हमसब बिस्बास दुवारा यि बात बुझैले सकैचियै कि, सन्सारके सब बात परमेस्वरके बचनसे सिरिस्टी करल्कै आ जे देखल बातछै से अनदेखल चिजसे बन्लै।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।
“लाउडिकियाके मन्डलीके देख-भाल करैबला दुतके यि लिख: ‘परमेस्वरके सिरिस्टीके सासक, जे बिस्बास योग्य, साँचो साक्छी आ आमेन चियै, उ अनङ कहैछै।