16 ओकरे अनुगरहसे उटुङ-टुटुङ भैरके आसिस उपर आसिस मिलरहल छै।
कथिलेत परमेस्वरके निरनयसे ओकर आपन सब स्वभाव खिरिस्टमे मिलल छै।
खिरिस्ट हमरासबके बिस्बास दुवारा परमेस्वरके अनुगरहमे लाबने छै। यह्या अनुगरहके हमसब अखुन अनुभव करैचियै आ परमेस्वरके महिमामे सहभागी हैके आसमे आनन्द मनाबैचियै।
ग्यान आ बुइधसे बुझैले नै सकैबला खिरिस्टके परेमके बुझैले सक आ तुसब परमेस्वरके सारा सक्तीसे भरपुर हैले सक कैहके हम परथना करैचियौ।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै, एह्या देह सब बातसे भरल ओकर पुरा रुप चियै।
एकेटा लोक आदमके करल पापके कारन सब लोकसब मरैछै। महज असल बात यि चियै कि, परमेस्वर परसस्त अनुगरह आ धारमिकताके बरदानसे लोकसबके धरमी ठहराइल्कै। अनङ उसब एकेटा लोक येसु खिरिस्ट दुवारा जिबन पाबतै।
परमेस्वरसे पठाएल लोक परमेस्वरेके बात बाजैछै कथिलेत परमेस्वर ओकरा आपन आत्मा भरपुर कैरके दैछै।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
कथिलेत जकरसङे छै तकरा औरो देलजेतै आ ओकरा परसस्त भ्याजेतै। महज जकरा नै छै तकरसे भेल्होल्यालेतै।
ओकरेमे परमेस्वरके सब ग्यान आ बुइधके सारा सम्पतीके भन्डारछै।
यदि साँचोके परमेस्वरके आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, तुसब पाप स्वभाबके अधिनमे नै, महज पबितर आत्माके अधिनमे रहैचिही। यदि कोनो लोकमे खिरिस्टके आत्मा नै छै त, उ खिरिस्टके लोक हेबे नै करतै।
कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधीसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाब दैले नै सक्तौ, ओकरौरके मुहमे तला लाइग जेतौ।
महज युहन्ना एहेन कहैत ओकरा रोकैले चाहल्कै, “कि अहाँ हमरसे लैले एलचियै? बरु हमरे अहाँसे बप्तिस्मा लेनाइ जरुरी छै।”
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
ओकरासबके भितरमे रहल खिरिस्टके आत्मा खिरिस्टके दुख भोगेपरतै आ पछा आबैबला महिमाके बारेमे पहिनेसे भबिसबानी करने रहै। तब उ समय कहिया आ कनङके एतै कैहके उसब खोज-तलास करने छेलै।
लोकसब अपना कतहेक पाप करनेचियै से जानैके लेल परमेस्वर ओकरासबके बेबस्था देल्कै। लोकसबके पाप जतहेक बरहैत गेलै परमेस्वरके अनुगरह ओतहेक बेसिसे बरहैत गेलै।