13 उसब नै त लहुसे, नै त सारिरीक इक्छासे, नै लोकके कोनो इक्छासे महज उसब परमेस्वरसे आत्मिक रुपमे जल्मैछै।
परमेस्वरके बेटा-बेटी पाप नै करैतरहैछै कथिलेत परमेस्वरके स्वभाब ओकरमे रहैछै। उ पाप करे नै सकैछै कथिलेत उ परमेस्वरसे जलमल रहैछै।
उ आपन इक्छा अनुसार सत बचनसे अपनासबके लबका जलम देल्कै, ताकी हमसब ओकर सिरिस्टीके एकटा पहिल्का फल जखा भ्यासकी।
तुसब बिनास हैबला बियासे नै, बरु अभिनासी परमेस्वरके जिबित आ कहियो नास नै हैबला बचनसे लया जलम पाबनेचिही।
परमेस्वर आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिताके महिमा हेबे। ओकर महान दयासे हमसब लया जलम पाबनेचियै। उ लया जलम येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे हमसब पाबनेचियै। ओहैसे अपनासबके जिबित आसा यि चियै कि,
कथिलेकी जे परमेस्वरके बेटा-बेटीसब चियै, उ अइ सन्सारके जितलैछै। खिरिस्टमे बिस्बास करैके कारन अपनासब अइ सन्सारके जितने चियै।
पिरिय सङिसब, अपनासब एक दोसरके परेम करु कथिलेत परेम परमेस्वरेसे आबैछै। परेम करैबला परमेस्वरके धियापुता चियै आ उ परमेस्वरके चिन्हैछै।
तब उ अपनासबके बचेल्कै। अपनासब कोनो धरम-करम करलाके कारन नै महज ओकर दया आपनसबमे भेलाके कारन बचेल्कै। ओकर पबितर आत्मासे अपनासबके पाप धुवाके अपनासबके नया जलम आ नया जिबन देल्कै।
कथिलेकी परमेस्वर तोरासबमे सबदिन काम कैरते आबैछौ। उ तोरासबके ओकर असल उदेसके काम पुरा करैके मन आ सक्ती दुनु देतौ।
हम बिया छिटलियै, अपोल्लोस पानी पटाइल्कै महज बरहाबैबला काम त परमेस्वरे करल्कै।
जे कोइ येसुवे खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास करैछै, उ सबलोक परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै। जे कोइ पिताके परेम करैछै से कोइ ओकर बेटाके सेहो परेम करैछै।
परमेस्वरके बेटा-बेटी भ्याल लोक पाप कैरते नै रहैछै से बात अपनासब जानैचियै। कथिलेकी परमेस्वरके बेटा ओइसबके बचाइछै आ दुस्ट सैतान ओकरा छुबैले नै सकैछै।
येसु निकोदेमसके कहल्कै, “साँचोके हम तोरासबके कहैचियौ, जाबेतक फेनोसे लोक नया कैरके जलम नै लेतै ताबे तक उ परमेस्वरके राज देखे नै सक्तै।”
‘हमसब अबराहमके सन्तान भेलासे बाँच्बै’ कैहके नै सोच। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वर यि पथलोसे अबराहमके खातिर धियापुता जलमा सकैछै।
भरखरे जलमल बच्चासब दुधके चाहना करल जखा तुहुसब सुध आत्मिक बचनके लेल पियासल रह। वेहन करैत जेब्ही त तुसब मुक्तीमे बरहैत जेब्ही।