देख्ही त, पिता अपनासबके कतहेक परेम करने छै, जे साँचोके हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी कहाइचियै। सन्सारके लोकसब परमेस्वरके नै चिन्हलाके कारन अपनासबके नै चिन्हैछै।
“हमर पिता हमरा सबचिज सोइप देने छै। बेटा के चियै से पिता बाहेक कोइ नै चिन्हैछै, पिताके चियै से बेटा बाहेक कोइ नै चिन्हैछै महज बेटा जेकरासबके चिन्हादैछै उसब मातरे पिताके चिन्हैछै।
कथिलेत स्वरग आ पिरथिबीमे भेल सब चिज ओकरेसे सिरिस्टी भेलै। देखापरैबला आ नै देखापरैबला सब चिज, चाहे सिंहासन या सक्तीसब हेबे, सासकसब आ अधिकार चलाइबलासब, यि सब चिज खिरिस्टेसे आ खिरिस्टेके खातिर सिरिस्टी भेलै।