20 उ लोक जाने कि, एक गोरा पापीके ओकर गलत बाटसे घुमाके लाबैछै त, ओकरा मिरतुके मुहसे बचाइतै आ बहौत पाप छमा पाबैके लेल सहायता करतै।
सबसे मुख बात यि चियै कि तुसब एक दोसरके पुरा मनसे परेम कर, कथिलेकी परेमसे बहुतो पापसबके झाइपदैछै।
तु आपन जिबन आ आपन देल सिक्छाके बारेमे होसियार रह। यि सब करलासे तु आपन जिबन आ तोहर सिक्छा सुनैबलासबके जिबन बचेब्ही।
हमर करल यि सेबासे आपने यहुदी जातिके लोकसबके डाही बनाइले सकी आ ओइसबमेसे कोइ-कोइ पस्चाताप कैरके परमेस्वरमे बिस्बास करे कैहके हमर आसा छै।
हे हमर भाइ-भैयासब, कोइ सतके बाटसे भटैकके जेतै आ कोइ ओकरा घुम्याके आन्तै त,
अहै कारन आपन खराब इक्छासे पाप जलमाइछै। ओह्या पाप बैढके मिरतुके कारन बनैछै।
हम कमजोर लोकसबके बिचमे काम करैबखत उसब खिरिस्टमे बिस्बास करे कैहके हम्हु कमजोर भेलियै। हम सबके लेल सबकुछ बैन गेलियै ताकि हरतरहसे लोकसबके खिरिस्टमे बचाबैले सकी।
“हम साँचोके तोरासबके कहैचियौ, जे हमर बचन सुनैछै आ हमरा पठाइबलाके उपर बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। उ नियाइमे नै परतै, महज मिरतुसे पार भ्याके उ जिबनमे परबेस करने छै।
हम पावल आपने हाथसे यि लिखरहल चियौ, उ रिन हम आपनेसे तिरदेबौ। तु हमर कारन आत्मिक जिबन पाबइके रिनी भेलचिही से बात नै कहैतरहेपरतौ।
उसब धैनके आ पबितर चियै, जेसब पहिन्का पुनरुथानमे जिबित भ्याके उठलै। ओइसबके दोसर मिरतुके सक्ती किछो करैले नै सक्तै महज उसब परमेस्वर आ खिरिस्टके पुजारी भ्याके खिरिस्टसङे एक हजार बरिसतक राज करतै।
सन्सारके लोकसब आपन बुइधसे परमेस्वरके चिन्हैले नै सक्लै, तैल्याके उ आपन बुधिमानी योजना अनुसार अपनासबके परचार करल मुरुख बातसबसे बिस्बास करैबलासबके बचाइले चाहल्कै।
अहै खातिर सब एहेन अधलाह आचरन आ नै निक बानी बेबहारसे अलग हो। नम्र भ्याके तोरौरके हिरदयमे राखल परमेस्वरके बचनके आपन बना कथिलेत ओहैसे तोरौरके उदार कैरसकैछौ।
बिस्बास साथ करल परथनासे बिमारी निक हेतै तब परभु ओकरा निक कैरदेतै। उ लोक पाप करने रहतै तैयो छमा पाबतै।