7 तै खातिर परमेस्वरके अधिनमे रह। सैतानके बिरोध कर आ उ तोरासबके लगसे भाइगजेतौ।
आपन हिरदयमे सैतानके काम करैले नै दहै।
तैदुवारे नम्र भ्याके सक्तिसाली परमेस्वरके अधिनमे रह आ उ तोरासबके ठिक समयमे सम्मानित करतौ।
अकर अलाबा अपनासबके अनुसासनमे राखैबला सारिरीक बाबु छेलै। अपनासब ओकरा आदर करैछेलियै। अनन्त जिबन पाबैले औरो अपनासब आपन आत्मिकी बाबुके अधिनमे रहैले परतै।
कथिलेत परमेस्वर लोकसबके आपन अगा धरमी ठहराबैबला तरिकाके उसब जान्बे नै करैछेलै, तैल्याके उसब धरमी ठहराबैबला तरिकाके असुइकार करल्कै। उसब आपने तरिकासे परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैले ताकल्कै।
हमर जुवा आपन उपर उठा आ हमरसे सिख, कथिलेत हम दयालु आ नरम हिरदयके चियौ, तब तोरासबके आत्माके बिसराम मिल्तौ।
तुसब खिरिस्टके आदर करलाके कारनसे एक-दोसरके अधिनमे रह।
परभुके आदरके खातिर अधिकारीसबके अधिनमे रह, चाहे सबसे उपरमे रहैबला रजा हेबे,
कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “परमपरभु कहैछै, ‘जनङ हम जिबित चियौ तहिनङ सबलोक हमर अगा झुक्तै आ सबकोइ हमरा परमेस्वर कैहके पुकारतै।’”
“तहैलेल, हे रजा अगरिपास, हम स्वरगिय दरसनके आग्यापालन करलियै।
महज आब तु उइठके सहरमे जो, ओते तोरा कथिकरे परतौ से कहलजेतौ।”
अहै खातिर आब परमेस्वरके सब हाथ-हथियारसब धारन कर। तब तोरौरके खराब दिनमे सैतानके सक्तिसबके रोकैले सकबिही आ अन्त तलिक लराइ कैरके ठारभेल रहेसकबिही।