17 कोइ असल करे परैछै कैहके बुझने रहैछै महज बुझियोके नै करैछै त, उ पाप करैछै।
येसु ओइसबके कहल्कै, “यदी तुसब अन्हर रहतिही त पापके दोसी नै हेत्ही, तुसब त ‘हमसब देखैचियै’ कहैचिही, अहैसे तुसब दोसी रहलिही।”
यि बातसब जाइनके उ करैचिही त, तुसब धैनके हेब्ही।
“यदी हम आइबके नै कहने रहतियै त पापके दोसी नै हेतियै, महज आब आपन पापके लेल बहाना करैबला कोनो ठाम नै छै।
कथिलेकी ओकरासबके देल पबितर आग्या जाइनके पछा हटैसे बरु उसब धारमिक बाट नै जानतियै त निक हेतियै।
एहेन लोक मिरतुके योग्यके हैछै कैहके परमेस्वरके धारमिक नियम जानियोके उसब यि कामसब करैछै। ओतबे नै, वोहन काम करैबलासबके औरो उस्काबैछै।
कि असल बेबस्था हमरा मिरतुदन्ड देल्कै त? पक्का नै! पापे त असल बेबस्थाके हथियार बनाके हमरा मिरतुदन्ड देल्कै। तैल्याके पाप बेबस्था दुवारा साँचेके घिनलागैबला पाप छै कैहके देखाइछै।