9 अपनासब अहै मुहसे परभु आ पिताके धन्यबाद दैचियै आ एह्या मुहसे परमेस्वरके स्वरुपमे रचलगेल लोकके सरापो दैचिही।
अहै खातिर हमर हिरदय आनन्दित आ हमर जिह खुसीसे इस्तुति करैछै। अतबेहेक नै हमर देह सेहो आसेमे जिबित रहैछै।
पुरुखके आपन सिर नै झापैके चाही, कथिलेत उ परमेस्वरके स्वरुप आ सोभा चियै, महज जनी पुरुखके सान चियै।
“उसब आपन मुहसे सराप आ तित बात बोलैछै।”
तब पतरुस किरिया खाइत कहल्कै, “हम ओइ लोकके चिन्हबे नै करैचियै! यदी हमर बात झुठ हेतै त, परमेस्वर हमरा सराप देबे।” ठिक ओहि घरी मुरगा डाँक देल्कै।
महज हम तोरासबके कहैचियौ, आपन दुस्मनोसबसे परेम कर आ तोरासबके सताबैबलासबके खातिर परथना कर,
अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिता परमेस्वरके धन्यबाद हेबे। उ अपनासबके खिरिस्टमे स्वरगिय ठामसबमे सब आत्मिक आसिस देने छै।
परमेस्वर आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिताके महिमा हेबे। ओकर महान दयासे हमसब लया जलम पाबनेचियै। उ लया जलम येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे हमसब पाबनेचियै। ओहैसे अपनासबके जिबित आसा यि चियै कि,
परमेस्वर पिताके मनपरैबला साँचोके धरम-करम एह्या चियै दुखमे परल बिधुवा आ टुगर-टापरसबके देखभाल करनाइ आ सन्सारके अधलाह बातसे अलग रहनाइ चियै।
एकेटा मुहसे आसिरबाद आ सराप दुनु निक्लैछै। हे हमर भाइ-भैयासब अनङ त नै हैकेचाही!