12 अहैलेल तोरौरके बोली आ बेबहार स्वतन्तरताके बेबस्था बमौजी नियाय पाबैबलासब जखा हेबे।
महज जे लोकसबके छुटकरा दैबला सिध बेबस्था निहाइरके ध्यान लगाबैछै आ ओइमे लागल रहैछै, उ सुइनके नै बिसरैछै महज पालन करैछै, उ आपनेसे करल काममे आसिस पाबतै।
यदि तुसब “आपन परोसियासबके आपने जखा परेम कर” कैहके पबितर धरमसास्तरमे लिखल परमेस्वरके राजकिय नियमके पालन करैचिही त तोरौरके असले करैचिही।
तुसब किछो कहबिही तैयो, किछो करबिही तैयो सब बात परभु येसुके नाममे कर तब ओकरेसे परमेस्वर पिताके धन्यबाद चरहा।
अन्तमे, भाइ-भैयासब, जे बात सत छै, जे बात असल छै, जे बात नियाय संगत छै, जे बात पबितर छै, जे बात परेम योग्य छै, जे बात किरपाके योग्य छै, अरथात जे आदरके योग्य छै आ परसन्साके योग्य छै तैमे मन लगा।
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
तब तुसब सतके जानबिही आ सत तोरासबके छुटकारा देतौ।”
एक-दोसरके भार उठा। अहिनङ कैरके तुसब खिरिस्टके आग्या पुरा करबिही।