9 हे तु गरिब भाइ-भैयासब गर्भ कर, कथिलेकी परमेस्वर तोरासबके उठाइनेछौ।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
हमरा तोहर कस्ट आ तोहर गरिबी थाहछै। महज बास्तममे तु धनिक चिही। हम ओकरासबके चिन्हैचियै, जे आपनके यहुदी त चियै कहैछै, महज बास्तममे नै चियै। उसब तोहर बिरोध करल निन्दा हम जानैचियै। उसब त सैतानके लोकसब चियै।
उ सक्तिसाली रजासबके ओकर सिंहासनसे अलग करने छै आ आपनके कमजोर ठानैबलाके उपर उठाइने छै।
ओहैसे स्वरगके इनाम जितैके बिचारसे लक्छ दिसन अगा बरहैचियै। अकरे लेल परमेस्वर हमरा खिरिस्ट येसुसे अनन्त जिबनमे बोलाइनेछै।
सत हिसाबसे खतना करैबला त हम्हीसब चियै कथिलेत पबितर आत्मासे परमेस्वरके आराधना करैचियै आ खिरिस्ट येसुमे हमसब गर्ब करैचियै। हमसब बाहरके कोनो रितिथितीमे भरोसा नै करैचियै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै त ओकर हकबला सेहो चियै, परमेस्वरके हकबला आ खिरिस्टसङे सझिया हकबला हेबै। यदि हमसब खिरिस्टसङे दुख-कस्ट भोग्बै त ओकरेसङे आदर-सम्मानमे सेहो सहभागी हेबै।
तैयो भुतआत्मासब तोरासबके अधिनमे छौ कैहके खुसी नै मना, महज स्वरगमे तोरासबके नाम लिखलछौ तैमे खुसी मना।”
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
महज तुसब त परमेस्वरके छानल जन, राजकिय पुजारी, पबितर जाती, निजी परजा चिही। उ तोरासबके अन्हारसे ओकर अचमके इजोतमे आनल्कौ, ताकी तुसब ओकर आस्चरजके कामसबके घोसना करैले सक।
कथिलेत जे अपनाके बरका सोचैछै उसबसे निच हेतै आ जे अपनाके निच सोचैछै उसबसे बरका हेतै।”