18 उ आपन इक्छा अनुसार सत बचनसे अपनासबके लबका जलम देल्कै, ताकी हमसब ओकर सिरिस्टीके एकटा पहिल्का फल जखा भ्यासकी।
तुसब बिनास हैबला बियासे नै, बरु अभिनासी परमेस्वरके जिबित आ कहियो नास नै हैबला बचनसे लया जलम पाबनेचिही।
उसब नै त लहुसे, नै त सारिरीक इक्छासे, नै लोकके कोनो इक्छासे महज उसब परमेस्वरसे आत्मिक रुपमे जल्मैछै।
परमेस्वर आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके पिताके महिमा हेबे। ओकर महान दयासे हमसब लया जलम पाबनेचियै। उ लया जलम येसु खिरिस्टके पुनरुथानसे हमसब पाबनेचियै। ओहैसे अपनासबके जिबित आसा यि चियै कि,
उसब कहियो नै जनिसबसङे देहके समबन्ध राखने छेलै आ आपनेके सुध राखने छेलै। थुमा जते जते जाइछेलै ओकर पछा लागैबला वहेसब छेलै। परमेस्वर आ थुमाके लेल पहिल्का फलके रुपमे लोकसबके बिचसे ओकरासबके मोल तिरके छुटाइने छेलै।
ताकी हम यहुदीसब खिरिस्टमे पहिनेसे भरोसा करलियै, परमेस्वर आपन परसन्साके खातिर छानल्कै।
परमेस्वरके बेटा-बेटी पाप नै करैतरहैछै कथिलेत परमेस्वरके स्वभाब ओकरमे रहैछै। उ पाप करे नै सकैछै कथिलेत उ परमेस्वरसे जलमल रहैछै।
तुसब त परमेस्वरके पहिन्का जलमल अरथात ओकर सन्तानसबके सभामे एलचिही, जकर नाम स्वरगमे लिखलछै। उसब धरमीसबके आत्मा चियै, जे सिध करलगेलछै। तुसब सबके नियाय करैबला परमेस्वरकते एलचिही।
अहै खातिर सब एहेन अधलाह आचरन आ नै निक बानी बेबहारसे अलग हो। नम्र भ्याके तोरौरके हिरदयमे राखल परमेस्वरके बचनके आपन बना कथिलेत ओहैसे तोरौरके उदार कैरसकैछौ।
तोरासबके खिरिस्ट येसुके बारेमे सिखाइबला दसो हजार गुरुसब भेलोपर पिता त बहुत नै छौ। महज सुसमाचार परचार कैरके खिरिस्ट येसुमे हम तोरासबके पिता भेलचियौ।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै “हम तोरा सन्सारके सब जातीके पुरखा बनाइने चियौ।” मरलसबके जिबन दैबला आ असतित्वमे नै भेल चिजके असतित्वमे लाबैबला परमेस्वरमे अबराहम बिस्बास करल्कै।
सत खबर परचार कैरके परमेस्वरके सक्तीसे हमसब काम करैचियै। लराइ करैबला हाथ-हथियार देहना हाथमे आ आपनके रक्छा करैबला हाथ-हथियार बमा हाथमे बोकैचियै। उ एकेटा हाथ-हथियार धारमिकता चियै।
तहिनङे तु गैर-यहुदीसब मुक्ती दैबला सतके बचन अरथात सुसमाचार सुइनके खिरिस्टमे बिस्बास करलिही। आपन परतिग्या करलहा पबितर आत्माके छाप तोरासबके लग्यादेनेछौ।
सरममे नै परैबला आ सतके बचनके ठिकसे चलाबैबला कामदार जखा आपनेके परमेस्वरमे गरहन हैकेलेल एकदमसे कोसिस कर।
अहै कारन आपन खराब इक्छासे पाप जलमाइछै। ओह्या पाप बैढके मिरतुके कारन बनैछै।
महज यदि तोरासबके मनमे जरनी आ स्वारथ छौ त आपन बुइधमे घमन्ड नै कर आ सतके झुठ नै बना।