5 ओइ सन्दुकमे परमेस्वर ओते छै कैहके देखाबैके लेल ओइ सन्दुकके ढकनी उपर करुबसब छेलै। उ ढकनी उपर किरपा आसनमे करुबसब डेन पसारने छेलै। महज यि सबके बिसयमे अखुन बयान करैले नै सकैचियै।
तै बखत अगमबक्तासबके करलहा यि सेबा ओइसबके फाइदाके खातिर नै महज तोरेसबके खातिर चियौ कैहके परमेस्वर ओइ अगमबक्तासबके देखाइने छेलै। यि बात स्वरगसे पठेल्हा पबितर आत्माके सक्तीसे सुसमाचार सुनाबैबला दुवारा अखैन तोरासबके घोसना करनेछौ। यि बात स्वरगदुतोसब जानैले चाहैछै।
अहैलेल अपनासब परमेस्वरके अनुगरहके सिंहासनके अगा निडर भ्याके चल आ खाचो परलहा समयमे सहायता पाबैके लेल किरपा आ अनुगरह पाबैले सकी।
अहिनङके मन्डलीसे परमेस्वरके सब किसिमके ग्यान स्वरगके ठामसबके सासकसब आ अधिकारीसबके बिचमे परकट करे।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।