25 इजराएलीसबके परधान पुजारी त आपन नै महज पसुके बलीके लहु ल्याके साले पिछे महापबितर ठामभितर ढुकैछेलै, महज खिरिस्ट त बेर-बेर आपनेसे बलिदान हैले नै गेलै।
खिरिस्ट सिधा महापबितर ठाममे सबदिनके लेल एकेबेर ढुकलै। उ छागर आ बछासबके चरहाल बलीके लहु ल्याके नै ढुकलै, महज आपने लहु ल्याके ढुकलै आ अपनासबके सबदिन रहैबला मुक्ती देल्कै।
महज दोसर कोठलीके महापबितर ठाममे परधान पुजारी मातरे बरिसके एकबेर जाइछेलै। उ लहु ल्याके मातरे जाइले पाबैछेलै। उ लहु आपन पापके लेल आ लोकसबके अन्जानमे करल पापके लेल उ चरहाइले जाइछेलै।
खिरिस्टके लहुसे औरो कतेक बेसीसे तोरासबके बिबेकके मरल कामसबसे सुध करतौ ताकि तुसब जिबित परमेस्वरके सेबा करैले सक। कथिलेत उ अनन्त आत्मासे आपनेके दाग नै लागल बलिके रुपमे परमेस्वरके अरपन करल्कै।
अहैलेल पिरिय भाइ-भैयासब, येसुके लहुके कारन अपनासब महापबितर ठाममे साहसके साथ ढुकैले सक्बै।
यदि एहैन हेतियै त सन्सारके सिरिस्टीके सुरुवातेसे ओकरा बारमबार दुख भोगैले परतियै। महज अइ जुगके अन्तमे उ सबदिनके लेल एकेबेर परगट भेलै आ पाप हटाबैले आपने बलिदान भेलै।
कथिलेकी येसु खिरिस्ट परमेस्वरके इक्छा पुरा करल्कै। ओहैसे सबदिनके लेल एके चोटी आपन देहके बलिदान द्याके उ अपनासबके सब पापसबसे पबितर करल्कै।
ओहै ठाममे एकटा पबितर पाल टाङल रहै आ पालके एकटा परदासे दुइ कोठलीमे बाटने छेलै। पहिन्का कोठलीके पबितर ठाम कहैछै, जैमे दिया राखैबला डैठ, टेबुल आ परमेस्वरमे चर्हाल रोटी राखल छेलै।