19 जब मोसा बेबस्थामे लिखल सब आग्यासब लोकसबके सुनाके पुरा करल्कै तब उ बछा आ छागरसबके लहु पानीमे मिलाके लाल उन आ हिसपके झारसे चोपके बेबस्थाके किताबमे आ सब लोकसबके उपरमे छिटल्कै।
खिरिस्ट सिधा महापबितर ठाममे सबदिनके लेल एकेबेर ढुकलै। उ छागर आ बछासबके चरहाल बलीके लहु ल्याके नै ढुकलै, महज आपने लहु ल्याके ढुकलै आ अपनासबके सबदिन रहैबला मुक्ती देल्कै।
कथिलेत बछा आ छागरसबके लहुसे पाप मेटाइले नै सक्तै।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
तकरबाद येसु काँटके मुकुट आ बैजनी रङके बस्तर पिन्हके बाहर एलै, तब पिलातस कहल्कै, “ले देख, उ लोक यह्या चियौ!”
सिपाहीसब काँटके मुकुट बनाके ओकर मुरीमे लग्यादेल्कै आ ओकरा रजाके पिन्हैबला बैजनी रङके बस्तर पिन्हादेल्कै।
उसब येसुके घिस्येलाके बाद ओकर बस्तर खोइलदेल्कै आ पहिन्का बस्तर पिन्हादेल्कै। तकरबाद येसुके कुरूसमे लटकाइले बाहर ल्यागेलै।
उसब येसुके रजासब पिन्हैबला बैजनी रङके बस्तर पिन्हादेल्कै आ काँटके मुकुट बनाके ओकर मुरीमे लगा देल्कै।
उसब येसुके पिन्हल बस्तर निकाइलके रजासब पिन्हैबला बैजनी रङके बस्तर पिन्हादेल्कै।
तुसब त परमेस्वर आ लोकसबके बिचमे लबका करार बान्हैबला मध्यस्तकरता येसुलग एलचिही। तुसब हाबिलके लहुसे बेसी असल बातके परतिग्या करैबला येसुके लहुमे एल चिही।
पहिन्का जुगमे परमेस्वर अपनासबके पिता पुरखासङे अगमबक्तासब दुवारा बहुत बेर आ बहुत किसीमसे बोलल छेलै।
छागर आ बछासबके लहु आ होममे चरहेला बाछीके छौर असुध लोकसबके उपर छिटलासे ओइसबके देह सुध हैछै त,
तैल्याके परमेस्वरके बान्हल पहिन्का करार पसुके लहु बह्याके मातरे पक्का करने छेलै।
उ आपन लहुके छिटकासे अपनासबके हिरदयके सुध करने छै आ सुध पानीसे अपनासबके देहके धुवाइनेछै। ओहैसे अपनासब साँचो हिरदय आ पक्का भरोसाके साथ परमेस्वरके लग चल।