18 तैल्याके परमेस्वरके बान्हल पहिन्का करार पसुके लहु बह्याके मातरे पक्का करने छेलै।
बास्तममे बेबस्थाके कहल अनुसार बली चरह्याल लहुसे अक्सरहा सब चिजके सुध करैछै आ लहु बहाइने बिना पापके छमा नै हैछै।
खिरिस्टके लहुसे औरो कतेक बेसीसे तोरासबके बिबेकके मरल कामसबसे सुध करतौ ताकि तुसब जिबित परमेस्वरके सेबा करैले सक। कथिलेत उ अनन्त आत्मासे आपनेके दाग नै लागल बलिके रुपमे परमेस्वरके अरपन करल्कै।
जाबेकत इक्छा पतर दैबला लोक जिबित रहैछै ताबेतक इक्छा पतर काम नै करैछै। इक्छा पतर दैबला लोक मरलाके बाद मातरे इक्छा पतर काम करैछै।
जब मोसा बेबस्थामे लिखल सब आग्यासब लोकसबके सुनाके पुरा करल्कै तब उ बछा आ छागरसबके लहु पानीमे मिलाके लाल उन आ हिसपके झारसे चोपके बेबस्थाके किताबमे आ सब लोकसबके उपरमे छिटल्कै।