17 जाबेकत इक्छा पतर दैबला लोक जिबित रहैछै ताबेतक इक्छा पतर काम नै करैछै। इक्छा पतर दैबला लोक मरलाके बाद मातरे इक्छा पतर काम करैछै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, आब हम तोरासबके दिनदिनके जिबनसे एकटा उदाहरन द्यारहलचियौ। लोकसबके बिचमे कोनो करार एकबेर पक्का भेलाकेबाद कोइने एकरा रद कैरसकैछै आ नै त अइमे किछो थप-घट कैरसकैछै।
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
जब कोइ इक्छा पतर छोइरके जाइछै त उ लोकके मिरतु भेल परमान पतर दैले परैछै। कथिलेत मिरतु भेलाकेबादे इक्छा पतरके काम लागैछै।
तैल्याके परमेस्वरके बान्हल पहिन्का करार पसुके लहु बह्याके मातरे पक्का करने छेलै।