16 जब कोइ इक्छा पतर छोइरके जाइछै त उ लोकके मिरतु भेल परमान पतर दैले परैछै। कथिलेत मिरतु भेलाकेबादे इक्छा पतरके काम लागैछै।
यदि कोइ बेबस्थाके एकोटा बातके अपहेलना करतै त ओकरा पुरे बेबस्थाके अपहेलनाके दोख लाग्तै।
जनङ आदममे सबकोइ मरैछै, तहिनङे खिरिस्टमे बिस्बास करैबला सबकोइ जिबित हेतै।
कथिलेत पाप करैबलाके बैन मिरतु चियै, महज फोक्टेमे देल परमेस्वरके बरदान त अनन्त जिबन चियै जे अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे देनेछै।
सिरिस्टीके पहिन्का लोक आदम दुवारा सन्सारमे पाप एलै आ ओकरे पापसे मिरतु एलै। अहिनङ कैरके लोकसबमे मिरतु फैलगेलै कथिलेत सबकोइ पाप करने छेलै।
ओहै कारनसे परमेस्वरके परतिग्या करल सबदिन रहैबला अनन्त उतराधिकारी पाबे कैहके उ बोलेल्हासबके लेल खिरिस्ट लया करारके मिलाप कराबैबला चियै, कथिलेत पहिन्का करारके समयमे लोकसबके करल पापसे छुटकरा दैले उ मरलै।
जाबेकत इक्छा पतर दैबला लोक जिबित रहैछै ताबेतक इक्छा पतर काम नै करैछै। इक्छा पतर दैबला लोक मरलाके बाद मातरे इक्छा पतर काम करैछै।
परमेस्वरके महिमाके इजोत ओकरेमे चम्कैछै आ वह्या परमेस्वरके साँचो रुप चियै। ओकरे सक्तीसाली बचनसे अकास आ पिरथिबीमे भेल सब चिजके अराइनेछै। उ लोकसबके पाप सुध करलाके बाद स्वरगमे रहैबला महिमीत परमेस्वरके दहिनाकात बैठलछै।
भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै।